आज्ञा खबर
बर्दिवास
बर्दिवास सानाशहरी खानेपानी तथा सरसफाइ उपभोक्ता संस्थाद्वारा महसुल नहि देनिहार उपभोक्तासभक विरुद्ध चलाओल गेल ‘धारा काटय के अभियान’ बृहस्पतिबार पूरा भ’ गेल। असार १८ गते सं शुरू भेल ई अभियान सं संस्था लगभग ४८ लाख रुपैया महसुल उठेबामे सफल भेल अछि।
संस्थाक अनुसार प्रारंभमे ३१२ गोटे उपभोक्ताक नाममे बकाया रहल, जाहिमे १५ लाख सं बेसी रकम बहुत दिन सं असुल नहि भ’ सकल छल। अभियान शुरू भेलाक बाद उपभोक्तासभक तर्फ सं महसुल तेबाक प्रवृत्ति बढ़ल आ बकाया राखनिहारक संख्या घटिक’ २८९ पर आबि गेल।
पाँच चरणमे काटल गेल धारा
खानेपानी संस्थाद्वारा सबसँ पहिने ओहि उपभोक्तासभक धारा काटल गेल जिनकर बकाया १ लाख सं बेसी छल। तत्पश्चात क्रमशः ७५ हजार सं १ लाख, ५० हजार सं ७५ हजार, २५ हजार सं ५० हजार आ १५ हजार सं २५ हजार तक बकाया राखनिहारक धारा पाँच चरणमे काटल गेल।
हाल तीन मास सं १५ हजार सं बेसी बकाया राखनिहार उपभोक्तासभक धारा सेहो कटबाक प्रक्रिया बाँकी अछि, जेकर जानकारी संस्था देलक।
केओ संपर्कमे नहि, केओ घर बेचि क’ चलि गेल
अभियानक क्रममे जखन कर्मचारी आ सञ्चालक समितिक टोली धारा काटय गेल त’ कतेको गोटे उपभोक्ता पहिने सं धारा कटायल भेटल, केओ संपर्कमे नहि छल, केओ घर बेचि चलि गेल छल आ किछु उपभोक्ता मृत सेहो भ’ चुकल छल। एहन अवस्थाक उपभोक्ताक संख्या २० बताओल गेल अछि, जखनकि १५ गोटे उपभोक्ता पूर्णतः संपर्कविहीन छथि।
११४ गोटे उपभोक्ताक धारा पुनः जड़ल गेल
धारा कटै के बाद किछु उपभोक्तासभ तुरन्त महसुल तेरि सेवा पुनः सुचारु करौलनि, त’ किछु गोटे ५०% वा २५% रकम तेरिक’ बाकी हिस्सा किश्तमे देबाक शर्तपर धारा पुनः जड़ौलनि। एहन उपभोक्तासभक संख्या ११४ बताओल गेल अछि।
४७ लाख ९६ हजार रुपैया उठल, २३ लाख चेक सं प्रतिबद्धता
संस्थाक व्यवस्थापक भवनाथ खतिवडाक अनुसार अभियान सं आब तक कुल ४७ लाख ९६ हजार २५५ रुपैया नगद महसुल उठाओल गेल अछि, जखनकि आर २३ लाख ५४ हजार २२७ रुपैया असोज मसान्त तक बुझयबाक शर्तमे चेकद्वारा प्रतिबद्धता देल गेल अछि।
६ हजार उपभोक्तामे सं २५९ केर धारा काटल गेल
संस्थाक अनुसार हाल कुल ६ हजार उपभोक्ता छथि, जाहिमे सं २५९ गोटेक धारा काटल गेल अछि। बाँकी किछु उपभोक्ता संपर्कमे आबय के क्रममे छथि।
भविष्यमे सेहो कड़ाई रहत: व्यवस्थापक खतिवडा
खानेपानी सेवा निरन्तर बनाय राखय लेल नियमित रूप सं महसुल देब जरूरी अछि, ई जनबैत व्यवस्थापक खतिवडा आगाह देलनि—
“भविष्यमे यदि महसुल समय पर नहि देल गेल, त’ पुनः एही तरहेँ कड़ाई सं कारबाई कएल जायत।”
स्थानीय स्तर पर उपभोक्तामैत्री सेवा प्रवाहक एकटा नमूना रूपमे देखाओल गेल ई अभियान नगरवासीक बीच जिम्मेवार नागरिकता आ सार्वजनिक सेवाक अनुशासित उपयोगमे मदद करत, एहेन विश्वास संस्था राखैत अछि।





































