मन्त्री यादवक चेतावनी: राजनीतिक एकता बिना वन संरक्षण असम्भव –

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जलेश्वर, महोत्तरी

मधेश प्रदेशक वन आ पर्यावरण मन्त्री संजय कुमार यादव कहलनि जे राजनीतिक दलसभक बीच समन्वय आ एकता नहि होइत तक वन संरक्षणक प्रयास सफल नै भ’ सकैत अछि।

मंगलदिन महोत्तरी जिलाक जलेश्वर स्थित डिभिजन वन कार्यालय द्वारा संचालित नर्सरीक निरीक्षण करैत मंत्री यादव कहलनि, “जखन तक राजनीतिक दृष्टिकोणसँ एक स्वरमे सोच नै होइत, तक वन संरक्षणक नीति व्यवहारमे उतारब सफल नै होइत। साझा उद्देश्यक अभावमे आधारभूत संरचना आ स्रोत-साधन होइतो परिणाम नहि भेटैत।”

ओ कहला जे जलवायु परिवर्तनक असर तीव्र रूपसँ देखाए लागल अछि आ पर्यावरणीय संकटक समाधान वृक्षारोपणमे अछि। “पानीक कमी दिन प्रति दिन बढ़ैत जा रहल अछि। एकर दीर्घकालीन समाधान हरियाली विस्तारमे अछि,” मंत्री यादव स्पष्ट केलनि।

ओ कहलनि जे विगतमे बेतरतीब ढंगसँ वृक्ष कटान भेल छल आ आब वृक्षारोपणके प्राथमिकता देबाक समय आबि चुकल अछि। “हमर महत्वपूर्ण आ पुरान वृक्षसभ कटि गेल, मुदा ओहि कटानक क्षतिपूर्ति करबाक लेल वृक्षारोपण नै भेल। आब देर नहि क’ वृक्षारोपण अभियानमे लागऽ पड़त,” ओ आग्रह केलनि।

एहि कार्यक्रममे मधेश प्रदेश वन निर्देशनालयक निर्देशक जगन्नाथ प्रसाद जयसवाल, वन अधिकृत सुजित कुमार झा, डिभिजन वन कार्यालय महोत्तरीक प्रमुख अजय कुमार मिश्र सहित कतेको कर्मचारी सभक उपस्थिति छल। ओ सभ नर्सरीक अवस्था संबंधमे मंत्री केँ जानकारी देलनि।

मंत्री यादवक कहब छल जे वन संरक्षण आ हरियाली विस्तार लेल राजनीतिक इच्छाशक्ति, प्रशासनिक सक्रियता आ नागरिक सहयोगक त्रिकोणीय समन्वय आवश्यक अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...