मधेश प्रदेश प्रमुख द्वारा दूटा महत्वपूर्ण विधेयक सभक प्रमाणीकरण कएल गेल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशक प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारी मधेश प्रदेश सभासँ पारित भ’ प्रमाणीकरण लेल प्रस्तुत दूटा महत्वपूर्ण विधेयक सभ पर हस्ताक्षर क’ प्रमाणीकरण केलथि अछि।

नेपालक संविधानक धारा २०१ केर उपधारा २ केर आधार पर, प्रमुख सुवेदी “मधेश प्रदेश सरकारक अर्थ सम्बन्धी प्रस्ताव केँ कार्यान्वयन करबाक लेल बनेल गेल विधेयक” आ “आर्थिक वर्ष २०८२/८३ लेल मधेश प्रदेशक सञ्चित कोषसँ रकम विनियोजन आ खर्च सम्बन्धी व्यवस्था करबाक विधेयक” पर हस्ताक्षर क’ विधिवत रूप सँ स्वीकृति देलथि अछि।

एहि विधेयक सभक उद्देश्य प्रदेश सरकारक आगामी आर्थिक वर्षक बजेट केँ कार्यान्वयन करबा लेल आवश्यक कानूनी आधार तयार करब अछि।

प्रदेश सभासँ पारित भेल विधेयक सभ अब प्रमाणीकरणक पश्चात् कार्यान्वयन योग्य कानूनक रूपमे स्थापित भ’ चुकल अछि।

प्रदेश प्रमुख द्वारा प्रमाणीकरण भेलाक उपरांत बजेट सम्बन्धी सम्पूर्ण प्रक्रिया औपचारिक रूपसँ अगाड़ी बढ़बाक बात प्रदेश सरकारक अधिकारी सभ कहलनि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...