बर्दिवास–७ मे दुइतल्ला वार्ड भवनक उद्घाटन, नगर प्रमुख क्षेत्री कहलनि – “पीयजल संकटक समाधान नगरक प्राथमिकता”

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

बर्दिवास नगरपालिका वार्ड नं. ७ मे नव निर्मित दुइतल्ला प्रशासनिक भवनक उद्घाटन कएल गेल अछि। बुधदिन आयोजित उद्घाटन समारोह मे नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि जे ओ बर्दिवास नगरपालिकाक समग्र विकासक प्रति पूर्ण रूपेण जिम्मेवार भ’ क’ सक्रिय छथि।

उनी कहलनि जे ई भवन निर्माणक क्रम मे वाडाक जनप्रतिनिधि, राजनीतिक दल, स्थानीय जग्गादाता समेत सब सरोकारवालाक सहमति आ सहयोग सँ काज पूरा भेल अछि। ओ ईहो कहलनि जे वर्तमान समय मे मधेश प्रदेश केँ सुखाड़ प्रभावित क्षेत्र घोषित करबाक चर्चा चलि रहल अछि, आ बर्दिवास–७ सेहो ओहि संकट सँ प्रभावित क्षेत्र मे अबैत अछि, से पीयजल संकटक समाधान नगरपालिकाक प्राथमिकता मे अछि।

“वाडाक विभिन्न ठाम डिप बोरिङ कएल गेल अछि, बाकी स्थान सभमे सेहो आर बोरिङ क’ पीयजलक व्यवस्था कैल जायत,” क्षेत्री कहलनि, “एहन समस्याक गंभीरतापूर्वक समाधान लेल हम प्रतिबद्ध छी।”

समारोह मे बर्दिवास नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी कहलनि जे वाडाक अपन प्रशासनिक भवन तैयार होयब एकटा गर्वक विषय अछि। “संघीयताक पछाति सिंहदरबार घर–घर मे” कहबाक नाराक कार्यान्वयन लेल वार्ड कार्यालयक भूमिका महत्वपूर्ण अछि,” ओ कहलनि, “वार्ड कार्यालय अपन भवन सँ सेवा देब सकए, से जरूरी अछि, आ ई सेवा गुणस्तर मे सुधार अनैत अछि।”

प्रशासकीय अधिकृत अधिकारीक अनुसार, वार्ड कार्यालयक भवन निर्माण नगरपालिकाक प्रमुख प्राथमिकता सभ मे सँ एक अछि। ओ कहलनि जे नागरिक सभक अपेक्षा अनुसार सेवा प्राप्त करबाक लेल पूर्वाधार सुदृढ होब आवश्यक अछि।

ई भवन वार्ड नं. ७ क अध्यक्ष राम स्वगारथ यादव (भोरील) केर संयोजन मे निर्माण कएल गेल अछि। हुनकर अनुसार, भवन निर्माण कार्य २०८१ साल असार २६ गते सँ शुरू भ’ २०८२ साल असार २३ गते सम्पन्न भेल अछि। ३७ लाख रुपैयाक लागत सँ बनेल दुइतल्ला भवनक पहिल तल्ला मे ४ टा कोठरी तथा दोसर तल्ला मे सभाहलक संग २ टा कोठरी बनाओल गेल अछि।

स्थानीय निवासी सभक अपेक्षा अछि जे नव भवन निर्माण सँ सेवा प्रवाह मे सहजता आओत। उद्घाटन समारोह मे वाडाक जनप्रतिनिधि, राजनीतिक दलक स्थानीय नेता सभ, नागरिक समाजक प्रतिनिधि, महिला समूह, युवा आ वृद्ध नागरिकक उल्लेखनीय उपस्थिति रहल। भवन निर्माण मे योगदान देनिहार जनप्रतिनिधि, कर्मचारी, भवन निर्माण समिति क पदाधिकारी, सदस्य, आ प्राविधिक सभ केँ सम्मानित सेहो कएल गेल।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...