गौशालामे सामूहिक राजीनामा: ३१ गोटे सामुदायिक विद्यालयक प्रधानाध्यापक एक संगे पद सऽ हटलाह

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
गौशाला, महोत्तरी

महोत्तरी जिलाक गौशाला नगरपालिकामे कार्यरत सभटा सामुदायिक विद्यालयक प्रधानाध्यापक सभ सामूहिक रूप सऽ राजीनामा देलथिन।

मंगलदिन नगरपालिकाक प्रशासन शाखामे नगर क्षेत्रक ३१ गोटे सामुदायिक विद्यालयक प्रधानाध्यापक सभ एके संगे अपन राजीनामा पत्र समर्पित केलाह। ओहि पत्रमे कहल गेल अछि जे ई राजीनामा साउन १ गते सऽ लागू होयत।

प्रधानाध्यापक सभक शिकायत छै जे आर्थिक वर्ष समाप्त भऽ गेलाक बादो विद्यालय संचालन लेल आवश्यक राशि सभक निकासा नगरपालिका सऽ नहि भेल।

“विद्यालय संचालन करब असम्भव भऽ गेल छै,” एकटा प्रधानाध्यापक कहलखिन, “नगरपालिकासँ बारम्बार आग्रह करबो परो ध्यान नहि देल गेल, तें अन्ततः हम सभ राजीनामाक मार्ग चुनलहुँ।”

प्रधानाध्यापक सभक सामूहिक राजीनामा पत्रमे ई उल्लेख छै जे विद्यालय संचालन लेल जरूरी दिवा खाजा, पाठ्यपुस्तक, नन–स्यालरी शीर्षक, नगर शिक्षक आ नगर अनुदान शिक्षक सभक वेतन, सशर्त पुँजीगत आ शैक्षिक अनुदान जेकाँ शीर्षक सभक राशि अति न्यून रूपमे निकासा कएल गेल।

बारम्बार आग्रह करबाक बादो नगरपालिका द्वारा टालमटोल कएल जायबासँ ओ सभ गहिर असंतोष प्रकट केलथिन। ओ सभ अपन पछिल्ला प्रधानाध्यापक बैठकमे लेल गेल निर्णय सभक दस्तावेज सेहो नगरपालिका मे जमा केलथिन।

ई घटनासँ नगरपालिका क्षेत्रक विद्यालय सभमे गहिर शैक्षिक संकट उत्पन्न भऽ सकैत अछि, तेँ अभिभावक आ स्थानीय बासिन्दा सभ चिन्ता प्रकट केलथिन।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...