बरसात सऽ अवरुद्ध भेल बीपी राजमार्ग फेर सऽ सञ्चालनमे

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
काभ्रे

सोमबार राति भेल लगातार बरसातक कारण अवरुद्ध भेल बीपी राजमार्ग फेर सऽ सञ्चालनमे आबि गेल अछि। लगातार बरसात सँग-सँग सड़क पर आयल लेदो (पाँक-पानी) केर कारण कतेको ठाम सड़क पूर्ण रूप सऽ बन्द भ’ गेल छल।

जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय काभ्रेक प्रमुख प्रहरी निरीक्षक सुनिल धाँजुक अनुसार रोशी गाउँपालिका–११ स्थित माम्ती, वडा नं ९ स्थित पिन्थली आ विरुवाडाँडा सड़कखण्डमे लेदो जमि जेबाक कारण सवारी आवागमन पूर्णतः ठप्प भ’ गेल छल।

प्रहरी निरीक्षक धाँजुक कहब अनुसार ट्राफिक प्रहरी, नेपाल प्रहरी आ सड़क डिभिजन कार्यालयक संयुक्त प्रयास सऽ मंगलदिन सबेरे ८:३५ बजे सड़कसँ लेदो हटाओल गेल आ दूनू दिस सवारी आवागमन पुनः सुरु कएल गेल।

हाल बीपी राजमार्ग सञ्चालनमे अछि, मुदा सड़क चिपचिपा आ जोखिमपूर्ण बनल अछि। एहेन परिस्थितिमे ट्राफिक प्रहरी यात्रु आ सवारी चालक सभसँ अनुरोध केने अछि जे सड़कक अवस्था बुझिकऽ, सावधानीपूर्वक यात्रा करथि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...