आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
मधेश प्रदेश सरकार द्वारा आगाँवला आर्थिक वर्ष २०८२/८३ लेल प्रस्तावित बजट सत्तारूढ़ गठबन्धनक सदस्य सभक समर्थनमे पारित कएल गेल। प्रमुख विपक्षी दल सभ प्रक्रिया आ पारदर्शिताप्रति असंतोष प्रकट करैत बजटक चर्चा आ मतदानसँ बहिर्गमन कएने छल।
आइतवार भेल प्रदेश सभाक बैठकमे सभामुख रामचन्द्र मण्डल बजट (विनियोजन विधेयक) बहुमतसँ पारित भेल घोषणा कएलन्हि। मुदा, बैठकमे प्रमुख विपक्षी दल नेकपा एमाले सहित अन्य विपक्षी दल अनुपस्थित छल।
विपक्षी सांसद सभ बजटसँ संबंधित मूल कागज ‘रेडबुक’मे सांसद सभके देल गेल प्रति आ कार्यदलके देल गेल संस्करणमे २९४ पृष्ठक भिन्नता रहबाक आरोप लगा कए गम्भीर आपत्ति प्रकट केलन्हि। एहि असमानता आ अस्पष्टताके आधार पर ओ सभ कार्यदलक बैठक आ प्रदेश सभाक पूर्ण बैठक दूनूके बहिष्कार कएने छल।
विपक्षी दल सभ सरकार पर आर्थिक अनियमिततामे संलग्न रहबाक आरोपो लगेलन्हि। एक विपक्षी नेता कहलन्हि, “एहन अपारदर्शी ढंगसँ बजट पास करब जनता प्रति धोखाधड़ी अछि।”
सरकार पक्षक सांसद सभ कहलन्हि जे बजट विधेयक समयपर पारित करब आवश्यक छल आ सभ प्रक्रिया नियमसँ पूरा कएल गेल अछि। एक सत्तापक्षीय सांसद कहला, “विपक्षक सवाल स्वाभाविक अछि, मुदा बैठकक बहिष्कार करब जिम्मेवार विपक्षक भूमिका नहि होय।”
जँ कि बजट पारित भऽ गेल, मुदा बजट निर्माणमे देखायल विवाद आ असंतोष समाधान नहि भेला धरि, एकर कार्यान्वयनमे चुनौती देखएबाक संकेत भेटि रहल अछि।





































