पोखरी में डुबिक’ सर्लाही में दू बरिसक बालकक जान गेल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही

सर्लाही जिलाक कविलासी नगरपालिका–५, घरदौली टोल में पोखरी में डुबिक’ एक दू बरिसक बालकक मृत्यु भ’ गेल अछि।

स्थानीय देवनारायण पासवानक बेटा सुरज पासवान अपन घरक आगन में खेलैत खेलैत अचानक गायब भ’ गेल छलाह। खोजबीनक क्रम में ओ छिमेकी बिन्देश्वर रायक पोखरी में अचेत अवस्था में भेटलाह। इलाका प्रहरी कार्यालय हरिपुरक प्रहरी निरीक्षक रोमनराज अर्यालक अनुसार, बालक केँ बचाबै लेल अस्पताल ल’ जाएल गेल, मुदा डॉक्टर सभ हुनका मृत घोषित क’ देलथि।

घटनाक बाद सुरजक शवक पोस्टमार्टम लेल प्रादेशिक अस्पताल मलंगवा पठाओल गेल छल। पोस्टमार्टमक उपरांत शव केँ अन्त्येष्टिक लेल परिवारक जिम्मा देल गेल अछि, पुलिस जनौलनि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...