ईश्वरपुर–१३ घोषित भेल अछि ‘सतप्रतिशत बालबालिका विद्यालयमे नामांकन भेल वार्ड’

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही

सर्लाही जिलाक ईश्वरपुर नगरपालिका–१३ केँ ‘सतप्रतिशत बालबालिका विद्यालयमे नामांकन भेल वार्ड’ केर रूपमे घोषणा कएल गेल अछि। सरकार द्वारा निर्धारित मानदण्डक अनुसार चारि सँ बारह वर्षक उमेर समूहक सभ बालबालिका विद्यालयमे सहभागी भेला उपरान्त ई उपलब्धि प्राप्त भेल अछि।

वार्ड अध्यक्ष तिलबहादुर तामाङ (तिलक) केर अनुसार, विद्यालय त्याग दर केँ कम करैत, बालबालिकाकेँ शिक्षा केर मूलधारमे अनबाक अभियान अन्तर्गत वार्डक सभ बालबालिकाक नामांकन सुनिश्चित भेलाक बाद ई घोषणा कएल गेल अछि। एहि सँ पहिने सेहो ईश्वरपुरकै वार्ड नं ४ आ सीमामे स्थित बलरा नगरपालिका केर एकटा वार्ड एहि प्रकारक उपलब्धि हासिल कएने छल।

‘सभ बालबालिकाक विद्यालयमे सहभागिता, गुणवत्तापूर्ण शिक्षा प्राप्तिक सुनिश्चितता’ एहि मूल नाराक संग ग्रामीण नारी उत्थान संघ, हरिपुर आ सेभ द चिल्ड्रेनक समन्वयमे ई सफलता प्राप्त भेल अछि। कार्यक्रममे प्रतिवर्ष नव बालबालिकाकेँ सेहो विद्यालयमे नामांकन कराबयबाक प्रतिबद्धता लिखित रूपमे लेहल गेल।

एहि अवसर पर, वार्डमे सतप्रतिशत नामांकन सुनिश्चित करबाक लेल योगदान देनिहार सामुदायिक आ निजी विद्यालय, दातृ संस्था तथा सहयोगी संस्थाकेँ प्रमाणपत्रक संग सम्मानित कएल गेल।

ईश्वरपुर–१३ मे वर्तमानमे चारिटा सामुदायिक आधारभूत विद्यालय आ तीनटा निजी विद्यालय अछि। विद्यालय, स्थानीय तह, अभिभावक आ साझेदार संस्थाक बीचक समन्वय सँ प्राप्त ई सफलता शिक्षा क्षेत्रमे सकारात्मक संदेश देबाक कार्य केलक अछि— एहन जनतब देल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...