आज्ञा खबर
पर्सा
पर्सा जिलाक बहुदरमाई नगरपालिका आ वीरगंज महानगरपालिकाक सीमामे पड़य वला तिलाबे खोलामे सडक विभाग द्वारा एही बरखो बेलिब्रिज जड़ान करबाक घोषणा कैल गेल रहै, मुदा ओहिकर काज अधरमेमे छुटल छै। विभाग स्टिल बेलिब्रिजक ठेका प्रक्रिया रद्द कय देने छै।
विक्रम संवत २०८१ केर मनसूनमे भेल बाढिक कारण तिलाबे पुलक पिलर आ फाउन्डेशनमे क्षति भेल छल, जाहिसँ पुल असुरक्षित भऽ गेल। वर्तमानमे ओहि पुलसँ सवारी साधनक आवागमन पूर्ण रूपेण बन्द छै, आ पैदल यात्रु सेहो जान जोखिममे राखि कऽ आवागमन करए लेल बाध्य छथि।
नारायणी सिँचाइ व्यवस्थापन कार्यालयक प्रमुख मनोजकुमार पटेलक अनुसार, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालय सँ स्टिल बेलिब्रिज उपलब्ध नै भेलाक कारण ठेका रद्द करए पड़ल।
“सडक विभाग चालु आर्थिक वर्ष भितरे बेलिब्रिज जड़ान आ एप्रोच सडक निर्माण पूरा करबाक लक्ष्यसँ तीन करोड़ ३० लाख रुपैयाँक ठेका आह्वान केने छल,” प्रमुख पटेल जनौलनि, “एक सप्ताह भितरे काज प्रारंभ करबाक शर्तसँ बोलपत्र मागल गेल रहै, मुदा वर्षा शुरू भऽ गेलाक कारण प्रक्रिया आगू नै बढ़ि सकल।”
ओहि अनुसार, आब नव आर्थिक वर्षक प्रारंभसँ बेलिब्रिज जड़ान आ एप्रोच रोड निर्माणक प्रक्रिया फेरसँ शुरू कैल जायत।
तिलाबे खोलामे बेलिब्रिज नै जड़ाएल रहबाक कारण वर्षायाममे स्थानीय लोक, विद्यार्थी, रोगी आ कृषक सभकेँ बेसी कष्ट भऽ रहल छै। पूर्वी पर्साक ग्रामीण क्षेत्रकेँ वीरगंजसँ जोड़निहार ई मार्ग अबरुद्ध होयबाक कारण आम जनजीवन प्रभावित बनल अछि।





































