मधेश प्रदेश सुख्खाग्रस्त घोषित, किसानक लेल विशेष राहत पैकेजक माँग

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम

मधेश प्रदेश सरकार निरन्तर वर्षाक अभाव आ ओहि स उत्पन्न भेल कृषिक संकट केँ ध्यान मे राखैत सम्पूर्ण प्रदेश केँ “सुख्खाग्रस्त क्षेत्र” घोषित केलक अछि।

बिहीबार साँझ भेल मन्त्रिपरिषद् बैठकमे ई निर्णय लेल गेल, जाहिमे कहल गेल अछि जे वातावरणीय असन्तुलनक कारण समय पर वर्षा नहि भेलाक कारण धानक रोपाई पर व्यापक असर परल अछि। कतिपय स्थान पर रोपल धानो मरिकय अवस्था मे पहुँची गेल अछि। खेतमे चिरा (धार) पड़य लगलाक कारण किसान सभक चिन्ता आरो बढ़ि गेल अछि।

प्रदेश सरकारक प्रवक्ताक अनुसार, सुख्खाक प्रत्यक्ष प्रभावमे परल किसानक लेल राहत सुनिश्चित करबाक हेतु मन्त्रिपरिषद्ले संघीय सरकार सँ विशेष राहत पैकेजक घोषणा करबाक अनुरोध करबाक निर्णय केलक अछि। संगहि, कृषिक्षेत्रमे सक्रीय दातृ निकाय आ साझेदार संस्था सभकेँ आवश्यक सहयोग करबाक लेल सेहो आह्वान कएल गेल अछि।

मन्त्रिपरिषद् बैठकमे ईहो निर्णय लेल गेल जे वर्तमानमे प्रदेशक विभिन्न जिलामे उत्पन्न भेल पेयजल संकट केँ गम्भीरतापूर्वक लैत समाधान लेल आवश्यक स्रोत आ साधनकेँ परिचालित कएल जाएत। विशेष रूप सँ पर्साक वीरगंज सहित कतेको शहरमे पिउबय योग्य पानीक भारी संकट देखल जा रहल अछि, ताहि लेल संघीय खानेपानी मन्त्रालय सँ समन्वय कय ट्याङ्कर मार्फत आपूर्ति सुनिश्चित करबाक निर्देशन देल गेल अछि।

खडेरीक मारमे परल मधेशक किसानक लेल आगामी दिन बहुत चुनौतीपूर्ण भऽ सकैत अछि। तथापि, प्रदेश सरकार संकेत देलक अछि जे ओ संघीय निकाय आ आन सरोकारवाला संस्था सभक सहयोगमे तत्काल राहत आ दीर्घकालीन समाधान दिस सक्रियतापूर्वक अग्रसर होयत।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...