आज्ञा खबर
महोत्तरी
नेपाल पत्रकार महासंघ, महोत्तरी शाखा द्वारा एचटिपी खबरक सञ्चालक आ पत्रकार दिवाकर साह संगे भेल दुर्व्यवहार प्रति गम्भीर ध्यानाकर्षण जनाओल गेल अछि।
२०७२ असार २३ गते सोमबार राति जलेश्वरमे अवस्थित पूर्वाधार विकास कार्यालयमे ‘अनुचित गतिविधि भ’ रहल’ आशंकामे समाचार संकलन करबाक उद्देश्य सं गेल पत्रकार साह पर किछु व्यक्तिक द्वारा दुर्व्यवहार कैल गेल, जेकर जानकारी महासंघ देलक अछि।
उक्त घटनापर प्रतिक्रिया दैत बुधदिन महासंघ एकटा प्रेस विज्ञप्ति जारी क’ कहल गेल अछि, “पेशागत कर्तव्य निभा रहल पत्रकारक संग कोनो प्रकारक बाधा वा दुर्व्यवहार प्रेस स्वतंत्रताक घोर उल्लंघन छी। महासंघ एहेन घटनाक सदा भर्त्सना करैत अछि।”
महासंघ एहो कहलनि जे, दुर्व्यवहारमे संलग्न लोकनिक पहिचान क’ कानूनी कारबाई करबाक मांग सम्बद्ध निकायक समक्ष कयल गेल अछि।
संगहि महासंघ पत्रकार दिवाकर साह सँ सेहो आग्रह कयलक अछि जे ओ पेशागत मर्यादा आ पत्रकार आचारसंहिताक पालन करैत अपन काज करथि।





































