आज्ञा खबर
धनुषा
जनकपुरधाममे अपन ससुराक चाकू घोंपिक’ हत्या कर’क आरोपमे फरार रहल बेचन महासेठकेँ पुलिस पकड़िक’ सार्वजनिक केलक।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१५ निवासी ६५ वर्षीय वासुदेवप्रसाद साहकेँ असार १८ गते चाकू घोंपिक’ हत्या कएल गेल छल। ओना हत्या करबाक अभियोग ५५ वर्षीय बेचन महासेठ पर लागल अछि, जे वासुदेवप्रसाद साहक नातिक ज्वाइँ छथि। धनुषा पुलिसक अनुसार, पारिवारिक झगड़ाक कारण ई घटना भेल।
घटनाक बादसँ फरार रहल महासेठकेँ जिला प्रहरी कार्यालय धनुषासँ खटायल विशेष टोली जनकनन्दनी गाउँपालिका–५ स्थित खजुरी रेल्वे स्टेशनसँ पकड़लक। गिरफ्तारीक बाद बुधदिन हुनका पत्रकार सम्मेलनक माध्यमसँ सार्वजनिक कएल गेल, जिला प्रहरी कार्यालय धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक (एसपी) नरहरी रेग्मी जानकारी देलनि।
पुलिसक अनुसन्धानमे घटनामे प्रयोग भेल स्टीलक चाकू आ अभियुक्त द्वारा भागबाक लेल प्रयोग कएल गेल मधेस प्रदेश ०२–००७ प ९९३२ नम्बरक रात–काजल रंगक होन्डा स्कूटर सेहो बरामद भेल अछि।
पुलिसक अनुसार, घरक भीतर भेल झगड़ाक कारण बेचन महासेठ अपन ससुराक पेटमे चाकू घोंपिक’ हत्या केने छथि।
एहि घटनासँ संबंधित आगाँक अनुसन्धान जारी अछि।





































