स्थानीय प्रयास सऽ बनल पुलिस कार्यालयक भवन हस्तान्तरण

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सिरहा

लहान नगरपालिका–१३ पक्कीटोलमे स्थानीय लोकनिक सक्रियता सऽ बनावल गेल अस्थायी पुलिस चौकीक भवन बुधदिन औपचारिक रूप सऽ पुलिस प्रशासनके हस्तान्तरण कएल गेल।

मधेश प्रदेश पुलिस प्रमुख डिआईजी उमाप्रसाद चर्तुवेदीके भवनक चाबी निर्माण समितिक अध्यक्ष अश्विन कुमार राउत सौंपलथि। स्थानीय लोकनि चन्दा संकलन कऽ कऽ जमीन किनलथि आ ओही ठाम ई भवन निर्माण कएल गेल।

“समूहिक प्रयास सऽ पुलिस भवन बनेने आ ओहि केँ सरकारके देब सकलहुँ, ई बात पर हम सभ गौरव अनुभव करैत छी,” अध्यक्ष राउत कहलथि। लहान नगरपालिकाक मेयर महेश चौधरी जनौलनि जे नगरपालिका सेहो भवन निर्माणमे दुइ लाख टाका आर्थिक सहयोग देने छल।

मेयर चौधरी कहलनि जे स्थानीय लोकनिक ई पहल शांति-सुरक्षाप्रति जनप्रतिबद्धताक उत्कृष्ट उदाहरण छी।

हस्तान्तरण समारोहमे डिआईजी चर्तुवेदी अपन पूर्व कार्यकाल—जखन ओ लहानमे पुलिस नायब उपरीक्षक आ जिला पुलिस प्रमुख छलाह—क स्मरण करैत कहलनि जे समाजमे शांति आ सुरक्षा स्थापनाक लेल सामुदायिक सहकार्य अनिवार्य अछि।

समारोहमे चन्दा दऽ योगदान करनिहार सभके सम्मान सेहो कएल गेल।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।