अज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी
एहि साल मनसुन सक्रिय भऽ गेल अछि आ देश भरि बाढी, पहाड़ी ढलान खसि पड़ब (पहाड़ खसय) आ बिजली गिरबाक घटनामें तेजी आयल अछि। मौसम विज्ञान विभाग के पूर्वानुमान अनुसार, एहि साल पहिने के साल सभ की तुलना में बेसी वर्षा होयब के संभावना अछि। हालहि में हिमाली आ पहाड़ी क्षेत्र में भारी वर्षा सँ जान-माल के बहुत नुकासान भेल अछि।
एहि सन्दर्भ में बर्दिवास नगरपालिकाक ओर सँ नगर क्षेत्रक नदी किनार, बाढी संकटक स्थान आ पहाड़िक ढलानवाला जोखिमयुक्त इलाकामें रहनिहार सभ नगरवासी सभ के सतर्क रहबाक अपील कएल गेल अछि। नगरपालिका द्वारा आवश्यक सुरक्षा आ सावधानी के लेल कुछ सुझाव सेहो जारी कएल गेल अछि।
नगर प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी द्वारा जारी सूचना में कहल गेल अछि –
“एक घंटा सँ बेसी लगातार बरसाइ होइ तऽ विशेष सतर्कता बरतू। नदी के नजदीक रहनिहार लोकनि अपन परिवार आ पशु-पक्षी के सुरक्षति स्थान पर लऽ जाउ।”
ओकरा अलावा, बिजली गिरबाक संभावना रहै छै, तें बरसाइ के समय में पैघ पेड़, बिजुली के पोल आ खुल्ला मैदान में नबै के नगरवासी के आग्रह कएल गेल अछि।

यदि कोनो प्रकार के बाढी, पहाड़ खसय वा दोसर कोनो प्राकृतिक विपत्ति घटैत छै आ बचाव कार्यक जरूरत होइ तऽ ततेक काल्हिए निम्न नम्बर सभ पर सम्पर्क करबाक निवेदन कएल गेल अछि –
• सशस्त्र प्रहरी बल हटलाइन: १११४
• नेपाल प्रहरी हटलाइन: १००
• नेपाली सेना, बर्दिवास कार्यरत अधिकृत: ९८५४०२०७७२
• नेपाल रेडक्रस सोसाइटी, महोत्तरी उपशाखा, बर्दिवास: ९८५४०३१२०२
• बर्दिवास नगरपालिका नगर प्रहरी: ९८४१७०४४२८, ९८१२१९३३२५
नगरपालिका द्वारा अपील कएल गेल अछि जे नगरवासी सभ समय सँ पहिने खतरा के बुझि, सचेत रहथि आ आवश्यक सतर्कता अपनाबीथि। साथहि, सार्वजनिक सुरक्षा के नियम सभ के कड़ाई सऽ पालन करबाक अनुरोध सेहो कएल गेल अछि।
