चिकित्सक संघक माँग पर तीन गोट मंत्री संगे भेल चर्चा, सहमतिक प्रयास लेल साँझ छह बजे फेर वार्ता

[sharethis-inline-buttons]

अज्ञा खबर
काठमाण्डू
आन्दोलन करि रहल चिकित्सक सभक माँग पूरा करबाक विषय मे नेपाल चिकित्सक संघक प्रतिनिधि सभे तीन गोट मंत्री संगे सोमदिन स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालय मे चर्चा केलनि।

ई बैठक मे स्वास्थ्य मंत्री प्रदीप यादव, कानून, न्याय तथा संसदीय मामिला मंत्री अजय चौधरी आ उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्ति मंत्री दामोदर भण्डारी सहभागी छलाह।

वार्ता मे नेपाल चिकित्सक संघक अध्यक्ष डॉ. अनिल कार्की, महासचिव डॉ. संजीव तिवारी, पूर्व अध्यक्ष डॉ. लोचन कार्की, नेपाल मेडिकल काउन्सिलक अध्यक्ष डॉ. चोपलाल भुसाल सहित विभिन्न चिकित्सक प्रतिनिधि सभे भाग लेलनि।

सूत्र अनुसार ई छलफल मे अफिन, एशोसिएशन अफ प्राइवेट मेडिकल एण्ड डेन्टल कलेजेस, नेपाल डेन्टल एशोसिएशन, नर्सिंग एशोसिएशन अफ नेपाल लगायत आन संस्था सभक प्रतिनिधि सभे सेहो उपस्थिति देलनि।

स्वास्थ्य मंत्रीक सचिवालयक अनुसार ई पहिल चरणक वार्ता सकारात्मक रहल आ आइ साँझ छह बजे पुनः निर्णायक बैठक करबाक सहमति भेल अछि।

“पहिने तीन मंत्री सभ बीच चिकित्सक सभक माँग पर आन्तरिक छलफल भेल, तकरा बाद चिकित्सक प्रतिनिधि संगे विस्तृत संवाद कएल गेल,” मंत्रीक सचिवालयक एक पदाधिकारी कहलनि, “आब फेर साँझ छह बजे निर्णायक वार्ता होयत।”

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...