विपक्षिक अवरोध कायम, मधेश प्रदेशसभा तेसर दिनो सेहो स्थगित

[sharethis-inline-buttons]

अज्ञा खबर
जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशक अगिला आर्थिक वर्षक बजट पर उठल विवादक कारण प्रदेशसभा बैसार आजु तेसर दिनो सेहो नहि भऽ सकल। विपक्षी दल सभ बजट मे ‘बिचौलिया के प्रभाव’ बतबैत ओकर पुनर्लेखन के मांग कऽ रहल छैथ आ निरन्तर बैसार मे अवरोध कऽ रहल छैथ।

जसपा सँ शुरू भेल एहि अवरोध मे नेकपा माओवादी केन्द्र, नेकपा एकीकृत समाजवादी, संघीय समाजवादी पार्टी, राप्रपा नेपाल आ नागरिक उन्मुक्ति पार्टी सेहो शामिल छैथ।
विपक्षक कड़ा विरोधक बीच सभामुख रामचन्द्र मण्डल बैसार के काल्हि दिउँस १ बजे धरि स्थगित कऽ देलथि।

आजुक बैसार शुरू होइते शून्य समय मे विभिन्न दलक सांसद सभ बजट प्रति असन्तोष जतबैत सदन के अवरुद्ध कऽ देलथि। राप्रपाक सांसद कञ्चन बिच्छा, नागरिक उन्मुक्तिक उर्मिलादेवी सिंह, जसपाक किरणकुमारी शाह, माओवादी केन्द्रक शारदा पहाड़ी आ नेकपा एसक प्रमोद यादव बजट मे बिचौलियाक संलग्नता पर सवाल उठबैत कहलनि जे जाबत बजट के पुनर्लेखन नहि होएत, ताबत बैसार नहि चलऽ देल जाएत।

ओतहि, सत्तारूढ़ नेपाली कांग्रेसक प्रमुख सचेतक कुमारकान्त झा विपक्षीक व्यवहार पर असन्तोष व्यक्त करैत कहलनि, “बजटक बहाना बना सदन के बंदी बना देनाय अनुचित छै। सदन चलू, तखन चर्चा सँ सुधार आ समालोचना संभव छै।”

सदन मे जारी गतिरोधक कारण बजट पारित करबाक प्रक्रिया प्रभावित भ’ रहल छै। यदि ई स्थिति लंबा समय धरि जारी रहल, तँ सरकारक नीति, कार्यक्रम आ विकास योजनासभ पर प्रतिकूल असर पड़ऽ सकैत छै— एहन चिन्ता सेहो प्रकट भेल छै।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।