अज्ञा खबर
जनकपुरधाम
नागरिक उन्मुक्ति पार्टी (नाउपा) मधेश प्रदेश सरकार केँ देल गेल समर्थन वापस लऽ लेने अछि। सत्तारूढ़ जनमत पार्टीक नेता सतिशकुमार सिंह केर नेतृत्व में रहल सरकार सँ असहयोग केर घोषणा करैत नाउपा आब प्रतिपक्षक भूमिकामे रहबाक निर्णय लेने अछि।
प्रदेशसभामे पार्टीक एकमात्र समानुपातिक सांसद उर्मिला देवी सिंह मंगलदिनक बैठकमे सरकार सं संबंध खत्म भेलाक औपचारिक सूचना देलनि। ओ मधेश सरकार द्वारा प्रस्तुत बजट केँ “बिचौलियामुखी” कहि कऽ कड़ा आलोचना केलनि।
“ई बजट जनताक हितमे नहि, बल्कि किछु सीमित लाभग्राहीक पक्षमे ढ़लल अछि,” सिंह कहलीह, “एहिक प्रमाण सेहो हमरासँ सुरक्षित अछि।”
ओ बजट केँ पुनर्लेखन करबाक मांग लगातार करैत आबि रहल नाउपाक आवाज केँ बेवास्ता करबाक गुनासो सेहो केलनि।
ओही बीच, नाउपा द्वारा संघीय सरकार केँ देल गेल समर्थन सेहो वापस लेबाक अंतिम तैयारी कैल जाए रहल अछि। पार्टी स्रोत केर अनुसार, सत्तामे सहभागी भऽ जनताक पक्षमे काज करबाक आशा रखने छल, मुदा व्यवहारमे ओ संभव नहि भेला सँ समर्थन वापस लेबाक निर्णय लेल गेल।
एहि निर्णय सँ प्रदेश आ संघ दुनू तहक सत्ता समीकरणमे किछु हद तक तरंग उत्पन्न होयबाक अनुमान कएल जा रहल अछि।
