अज्ञा खबर
जनकपुरधाम
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१६, कपिलेश्वर बजार टोल स्थित एकटा पोखरी मे डुबिकय दू गो बच्ची के जीनगेल चल गेल। सोमबार सबेरे ‘भैया पोखरी’ मे नहाए गेल दूनू बच्ची डुबि गेल रहथि, जतहि ओतहि हुनकर मृत्यु भ’ गेल, ई जानकारी पुलिस देने अछि।
मृत बच्ची सभ मे स्थानिय ४ वर्षीया आरोहीकुमारी राउत आ ३ वर्षीया मैथिलीकुमारी राउत छैथ, जकर पुष्टि जिला प्रहरी कार्यालय धनुषाक डीएसपी वरुणबहादुर सिंह केने छथि।
डीएसपी सिंहक अनुसार, दूनू बहिन सब नहाए लेल पोखरी गेल रहथि, जतय गहिर पानी मे फसि गेलथि। स्थानीय लोकनिक कहब अछि जे दुर्घटना उपरांत तत्काल उद्धार के प्रयास भेल, मुदा सफलता नहि भेटल। दुनू के तुरंते प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरधाम ल’ जायल गेल, मुदा डाक्टर लोकनि हुनका मृत घोषित केलथि।
एहि दर्दनाक घटना के बाद सगरो पोखरी क्षेत्र मे शोकक वातावरण छा गेल अछि। पुलिस द्वारा घटनाक अतिरिक्त छानबीन जारी अछि। मृत बच्ची सभक शव पोस्टमार्टम लेल प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरधाम मे राखल गेल अछि।
