मखानक ब्राण्डिङमे लागि परल मटिहानी नगरपालिका, किसान सभ केँ सामग्री बाँटिके बजारीकरण पर जोड

[sharethis-inline-buttons]

अज्ञा खबर,
महोत्तरी

पोषण तत्व सँ भरल स्थानीय उत्पादन मखानक पहचान राष्ट्रीय बजार धरि पहुँचयबाक उद्देश्य सँ मटिहानी नगरपालिका मखान खेतीमे संलग्न किसान सभ केँ बजारीकरण संबंधित सामग्री वितरण केलक अछि।

नगरपालिका केर नगरस्तरीय योजना अन्तर्गत सोमदिन आयोजित कार्यक्रममे मखान उत्पादक २१ गोटे किसान केँ आवश्यक उपकरण देल गेल। बाँटल गेल सामग्रीमे १०० सँ ४०० टा धरि बोरा, २०० टा झोरा आ एक टा त्रिपाल शामिल छल।

नगरप्रमुख हरिप्रसाद मण्डलक कहब अछि जे मखान खेती केँ संस्थागत आ ब्राण्डयुक्त बनेबाक दीर्घकालीन सोच ल’ क’ नगरपालिका तीन वर्ष सँ सामग्री सहयोग मार्फत किसान सभ केँ सहयोग द’ रहल अछि। “स्थानीय उत्पादन मखानक बजार विस्तार लेल हम निरन्तर प्रयासमे छी। नगरमे अबैवाला पाहुनासभ केँ हम मखान उपहार स्वरूप देबाक परम्परा सेहो शुरू केने छी,” मण्डल कहलनि।

मण्डलक अनुसार, नगरपालिका क्षेत्रमे लगभग १०० पोखरिक अस्तित्व अछि, जाहिमे ५० सँ बेसीमे व्यवसायिक रूपमे मखान खेती होइत अछि। एत’ सँ वार्षिक कमसँ कम ४ सय क्विन्टल मखान नेपालक विभिन्न शहरसभमे पठाओल जाइत अछि।

वडा नं। ६, ७ आ ८ मे बसोबास करैवाला मल्लाह (सहनी), साह आ मुस्लिम समुदाय केर दू दर्जन सँ बेसी परिवार मखान खेती पर निर्भर छथि। कृषि शाखाक सहसंयोजक टङ्क प्रसाद उपाध्यायक अनुसार मटिहानीमे एखन १२५ बीघा क्षेत्रमे मखानक खेती भ’ रहल अछि, आ नगरपालिकाक निरन्तर लगानीसँ किसान सभक आकर्षण दिनानुदिन बढ़ैत जा रहल अछि।

धार्मिक आ सांस्कृतिक दृष्टिकोनसँ सेहो मखानक महत्व विशेष छैक। हिन्दू धर्ममे जन्म सँ ल’ क’ मृत्यु तक केर विधिमे मखान अनिवार्य मानल जाइत अछि। विशेष रूपसँ दीपावली आ कोजाग्रत पूर्णिमा सन पर्वमे एकर मांग अत्यधिक होइत छैक। तथापि, जलमग्न क्षेत्रमे खेती कर’ पड़ैत होए के कारण उत्पादकता आ किसान सभक सामन्य चुनौतिसभ कायम अछि।

किछु मास पहिने मात्र मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह मटिहानीक उत्कृष्ट मखान उत्पादक किसान – हरि यादव, संजय सहनी, ललन मुखिया आ विष्णु सहनी केँ प्रशंसा पत्र सहित सम्मानित केने छलाह।

हालहीमे भेल वितरण कार्यक्रममे जिल्ला समन्वय समिति महोत्तरीक सदस्य राम लखन पंजियार, उद्योग वाणिज्य संघ महोत्तरीक पूर्व अध्यक्ष मोहन प्रसाद गुप्ता, मटिहानी वडा नं। ६ केर अध्यक्ष कलीम अंसारी आ वडा नं। ७ केर अध्यक्ष जितनारायण माझी सहित कतेको किसान सभक उपस्थिति रहल।

मटिहानी नगरपालिकाक ई पहल मखान केँ मात्र खाद्यान्न नहि, एक स्थानीय ब्राण्ड केर रूपमे स्थापित करबाक बाट खोलि देलक अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।