ज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी
बर्दिवास नगरपालिका–६ हनुमान चोक मे शुद्ध पिनिके पानी आ सिचाईक स्थायी समाधान लेल लक्षित कऽ कऽ शनिचर दिन एक टा नया डिप बोरिंग योजना केर शिलान्यास कैल गेल। ६ इञ्च मोट पाईप सं करीब २ सय फिट गहिराई धरि बोरिंग करबाक योजना अछि, जकर शिलान्यास नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कएलनि।
शिलान्यास कार्यक्रम मे नगरप्रमुख क्षेत्री कहलनि जे स्थानीय लोकनि केँ दीर्घकालीन रूप सं स्वच्छ आ सुरक्षित पिनिके पानी उपलब्ध करबाक संगहि कृषि उपज मे बृद्धि करबाक उद्देश्य सं ई डिप बोरिंग योजना आगू बढ़ाओल गेल अछि। “विकास निर्माण मे जनचासीक विषय केँ प्राथमिकता दैत नगरपालिका पिनिके पानी आ सिचाई केर सहज आपूर्तिक लेल विभिन्न विकल्प पर काज कऽ रहल अछि,” ओ कहलनि।
बर्दिवास–६ हनुमान चोक आ आसपासक बासिन्दा सभ विगत बहुत दिन सं पिनिके पानी आ सिचाई मे असहजता केँ सामना कऽ रहल छल। आब जे डिप बोरिंग कार्य शुरू भेल अछि, ताहि सं ओ समस्या सभ दूर होएत, एहन विश्वास स्थानीय लोकनिक अछि।
एहि शिलान्यास कार्यक्रम मे वडा नम्बर ७ केर वडा अध्यक्ष, जनप्रतिनिधि, प्राविधिक टोली आ स्थानीय बासिन्दा सभक उपस्थिति छल। शिलान्यासक बाद निर्माण कार्य केँ शीघ्र पूरा करबाक निर्देश ठेकेदार कम्पनी केँ देल गेल अछि, बर्दिवास नगरपालिकाक ओर सं जनाओल गेल अछि।





































