ब्याडमिन्टन खेल संगे करप्रति जागरुकता: बर्दिवास मे करदाता सेवा कार्यालयक समन्वय मे आन्तरिक प्रतियोगिता सम्पन्न

[sharethis-inline-buttons]

अज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी।

बर्दिवास मे करप्रति जनचेतना बढ़ेबा आ युवा सभकेँ खेल दिस आकर्षित करबाक उद्देश्य सं आन्तरिक ब्याडमिन्टन प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अछि। ई प्रतियोगिता करदाता सेवा कार्यालय बर्दिवासक समन्वय आ बर्दिवास ब्याडमिन्टन संघक आयोजनामे सम्पन्न भेल, जाहिमे बर्दिवास नगरपालिकाक क्षेत्रभित्तरक १६ टा समूह सभ भाग लेने छल।

ब्याडमिन्टन संघ बर्दिवासक अध्यक्ष पोषण थापा अनुसार, प्रतियोगितामे दीपक शर्मा आ संजय मण्डलक जोड़ी पहिल स्थान प्राप्त कएलक। ओही तरहेँ हेमलामा आ मोहनराज गिरीक जोड़ी दोसर स्थान पर रहल, जखनकि ‘ए पोल’ सं बिरेन्द्र कार्की आ डिल्लीराज राउत तथा ‘बी पोल’ सं गया प्रसाद गुप्ता आ देवेन्द्र थिङक जोड़ी संयुक्त रूप सं तेसर स्थान प्राप्त कएलक।

समापन समारोहमे बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री अपन सम्बोधनमे कहलनि जे खेलकूद राष्ट्र निर्माण आ स्वास्थ्य दुनू लेल जरूरी अछि। ओ कहलनि, “अहिबेर बेरोजगारीक कारण सं युवा वर्ग लागूपदार्थक शिकार भ’ रहल अछि। एहि अवस्थासँ बचबाक लेल खेलकूद एक सकारात्मक माध्यम बनि सकैत अछि।”

नगर प्रमुख क्षेत्री विश्वास प्रकट केलनि जे करप्रति जागरुकतामे एहन खेलकूद कार्यक्रम सहायक होइत अछि। आयोजकक अनुसार, कार्यक्रम करदातासभमे करक प्रति उत्तरदायित्व आ नियमितताक संदेश सेहो देलक।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।