बर्दिवास–३ रजाबासक महिलासभ केँ सालक पात सँ दुनाटपरी बनेबाक तालिम सम्पन्न आत्मनिर्भर महिलाक निर्माण दिसा मे बर्दिवास नगरपालिकाक पहल

[sharethis-inline-buttons]

अज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी।

बर्दिवास नगरपालिका–३, रजाबास मे संचालित ‘महिलासँ उपप्रमुख सिप विकास कार्यक्रम’ केर अंतर्गत, सालक पात सँ दुनाटपरी बनेबाक तालिम महिलासभ केँ लक्षित कए कएल गेल। बर्दिवास नगरपालिकाक आयोजनामे सम्पन्न भेल एहि तालिमक उद्देश्य महिलासभ केँ आर्थिक सशक्तिकरण आ आत्मनिर्भरता दिसा आगाँ बढ़ेबा रहल अछि।

तालिमक समापन समारोहमे नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि जे नगर क्षेत्रक महिलासभ केँ सिप विकास मार्फत आर्थिक सुधारक दिशामे ल’ जाएबाक उद्देश्य सँ एहेन तालिम संचालन कएल जाइत अछि। ओ कहलनि, “दुनाटपरीक मांग आब केवल बर्दिवास नगर मे नहि, बल्कि बाहरी जिलासभ मे सेहो बहुत बेसी अछि। हम सभ बाजार व्यवस्थापन क’ निर्यात दिसा सेहो आगाँ बढ़ब।”

ओ कहलनि जे बर्दिवास नगरपालिकाक योजना अनुसार महिलासभ केँ आत्मनिर्भर बनेबाक लेल सिलाई-कटाई, ब्यूटीपार्लर, लोड़ी बनेबइ, पशुपालन आ आन उत्पादनमुखी तालिमसभ निरंतर देल जा रहल अछि।

कार्यक्रम मे प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी कहलनि जे महिलासभ केँ केवल चूल्हा-चौका तक सीमित नहि राखिक’ अपन सिप सँ आय आर्जन करबाक प्रेरणा देबाक समय आबि गेल अछि। ओ कहलनि, “घर खर्च लेल अब परिवारक लोकसँ मांग करबाक अवस्था समाप्त हेबाक चाही। महिलासभ केँ अपनाकेँ सक्षम बना क’ परिवार आ समाज मे आर्थिक रूपसँ सबल बनेबाक आवश्यकता अछि।”

एहि तालिम मे रजाबासक २५ गोट महिला सहभागी छलथि। प्रशिक्षकसभ सालक पात संग्रह सँ ल’ क’ ओहि पात केँ सुखेबा, डिजाइन करबा, सिलाइ करबा आ बाजार मे बिक्री करबाक सम्पूर्ण प्रक्रिया सिखेलनि। सहभागी महिलासभ कहलनि जे तालिम अत्यंत उपयोगी रहल आ एही सँ हुनका सभ केँ आमदनीक नव बाट देखाइ देलक।

स्थानीय महिला सहभागी मनकला चौधरी कहलखिन, “हम जेकाँ गृहिणीसभ केँ नगरपालिकासँ सिखबाक अवसर भेटल से खुशीक बात अछि। आब हम एहि सिप केँ घर पर बैसिक’ उपयोग करब आ आमदनी करब।”

बर्दिवास नगरपालिकाक जनतब अनुसार, भविष्य मे आन बस्तीसभ मे सेहो एहेन तालिमसभ विस्तार करबाक योजना अछि। सिप विकास कार्यक्रम मार्फत महिलासभ केँ आत्मनिर्भर बनेबाक एहि अभियान सँ स्थानीय स्तर पर रोजगार सृजन आ महिला सशक्तिकरण पर सकारात्मक प्रभाव पड़त, से आशा कएल जा रहल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।