सर्लाही मे चेक भुक्तानी विवादक बाद भेल झड़प, पुलिसक गाड़ी तोड़ल गेल

[sharethis-inline-buttons]

अज्ञा खबर
सर्लाही

सर्लाही जिलाक मलंगवा स्थित एक सरकारी कार्यालय मे चेक भुक्तानी सऽ संबंधित विवादक क्रम मे भेल कहासुनीक बाद पुलिसक गाड़ी तोड़फोड़ कएल गेल अछि। ई घटनामे संलग्न रहबाक आरोपमे पुलिस एक गोट राजनीतिक नेताक खोजी कऽ रहल अछि।

ई घटना सोमबार राति लगभग साढ़े आठ बजे पूर्वाधार कार्यालय, मलंगवा मे भेल। चेक भुक्तानी प्रक्रियामे रुचि देखबैत उपस्थिति देल दु पक्षक बीच कहासुनी शुरू भेल जे धीरे–धीरे तनावपूर्ण स्थिति धारण कऽ लेलक।

दु पक्षक तरफ सऽ आरोप–प्रत्यारोप आर गारी–गलौजक स्थिति बनि गेलाक बाद सुरक्षा व्यवस्था लेल खटाओल गेल पुलिस सक्रिय भेल। विवादक बाद एक पक्षकेँ नियन्त्रण मे लेबाक प्रयास कैल गेल, मुदा स्थानीय स्तर पर ओकर विरोध कैल गेल।

पुलिसक अनुसार, स्थिति पर काबू पाबय लेल पुलिस टोली संबंधित व्यक्तिक घर धरि पहुँच कऽ अनुसंधान शुरू करबाक प्रयास केलक, मुदा ओहि दौरान ओतऽ ढूंगामूड़ा कैल गेल।

जिल्ला पुलिस कार्यालय, सर्लाहीक प्रवक्ता डिएसपी सरोज राय कहला जे ई घटना मे पुलिसक सरकारी सवारी साधन क्षतिग्रस्त भेल अछि। “घटनामे संलग्न लोकनिक खोजी जारी अछि,” ओ कहलाह।

प्राप्त ऑडियो आ विवरण अनुसार ई विवाद चेक भुक्तानी प्रक्रियामे अनियमितता आ संदेह सऽ जुड़ल देखाइत अछि। विवादक दौरान किछु व्यक्तिक द्वारा पुलिस प्रशासन पर गंभीर आरोप लगाओल गेल ऑडियो सेहो सार्वजनिक भेल अछि।

जिल्ला पुलिस कार्यालय, सर्लाही द्वारा कहल गेल अछि जे घटनाक सभ पक्ष पर अनुसंधान शुरू भऽ चुकल अछि आ हिंसा भड़काबय वाला सभ केँ कानूनी दायरामे आनल जाएत।


  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...