आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
जनकपुरधामस्थित जानकी मन्दिर लग रहल तेल्हा पोखैरमे डुबलासँ बितल राइत एक गोटे भारतीय दर्शनार्थीके मृत्यु भेल अइछ । साथी सङे जानकी मन्दिर दर्शन करबाक लेल आएल भारतक विहार राज्यके हाजीरपुर निवासी २० वर्षीय आदर्श कुमार झाके पोखैरमे डुबलासँ मृत्यु भेल जिला प्रहरी कार्यालय धनुषाके प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक मधुसुदन न्यौपाने जानकारी देलैन ।
पोखैरमे कुदलाक बाद स्थानीय युवासभ तत्काल हुनका उद्धार क इलाजक लेल जनकपुरधामस्थित प्रादेशिक अस्पतालमे भर्ना करौने छल । मुदा, इलाजक क्रममे हुनक मृत्यु भेल प्रहरी नायब उपरीक्षक न्यौपाने बतौलैन । हुनक लहास परीक्षणके लेल अस्पतालमे राखल गेल आ घटनाके बारेमे थप अनुसन्धान भ रहल प्रहरी नायब उपरीक्षक न्यौपाने बतौलैन । (रासस)
