आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
धनुषा जिलामे सामाजिक सद्भाव तथा धार्मिक सहिष्णुतामे आँच नै आबए देबाक लेल सर्वपक्षीय प्रतिबद्धता व्यक्त कएल गेल अइछ । सुनसरी जिलामे भेल घटना पश्चात धनुषामे सेहो उक्त प्रकारक संवेदनशील घटना भेलासँ जिलामे बैसल सर्वपक्षीय सद्भाव बैसारमे उक्त प्रतिबद्धता व्यक्त कएल गेल अइछ ।
विरोध प्रदर्शनक नाममे तोड़फोड़, आइगजनी तथा व्यक्तिगत आ सरकारी सम्पत्तिमे क्षति पहुँचेनिहार व्यक्तिपर कानुन बमोजिम कारबाही कएल जेबाक निर्णय भेल अइछ । फेसबुक, टिकटकसहित सामाजिक सञ्जालमार्फत एक दोसरप्रति घृणा आ धार्मिक विद्वेष फैलेनिहार तथा सामाजिक सद्भाव कमजोर होएबला गतिविधि नियन्त्रण कएल जेबाक बैसार निर्णय केलक अइछ । प्रजिअ प्रेमप्रसाद लुइँटेल विभिन्न धर्म, जातजाति, भाषाभाषी तथा समुदायबीच आपसी सद्भाव, भाइचाराके सम्बन्ध कायम करए लेल समुदायक अगुवा, नागरिक समाज, बुद्धिजीवी, राजनीतिक दल, विभिन्न संघसंस्था तथा स्थानीय तहके जनप्रतिनिधि अपन–अपन दिससँ पहल करबाक निर्णय भेल जानकारी देलैन अइछ ।
आपराधिक गतिविधिमे लागल व्यक्तिकेँ मुलुकीय अपराध संहिता, २०७४, विद्युतीय कारोबार ऐन, २०६३ तथा अन्य प्रचलित कानुन बमोजिम कारबाही कएल जेबाक निर्णयमे उल्लेख अइछ । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक प्रमुख मनोज कुमार चौधरी तथा हिन्दु आ मुस्लिम समुदायक प्रतिनिधि, राजनीति दलक प्रतिनिधि, सञ्चारकर्मीसभके उपस्थिति छल ।
