मधेशक १० पालिकामे एकीकृत कृषि कार्यक्रम कार्यान्वयन होबाक मन्त्री चौधरीके कहब

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

कृषि, वन तथा पर्यावरणमन्त्री गीता चौधरी मधेश प्रदेशक १० टा पालिकमे कृषिके नमूना एकीकृत कार्यक्रम लागू कएल जेबाक बताैलैन अइछ । संघ-प्रदेश समन्वयसम्बन्धी उच्चस्तरीय बैसारमे मन्त्री चौधरी कृषि अनुसन्धान, प्रविधि हस्तान्तरण आ प्राङ्गारिक खेतीकेँ प्राथमिकतामे राखैत किसानके खेतधैर प्रत्यक्ष सेवा पहुचेबाक लेल मधेश प्रदेशक १० टा पालिकाकेँ नमूना कार्यक्रमक रूपमे कार्यान्वयन कएल जेबाक बतौलैन ।

अनुसन्धानसँ प्राप्त नतिजा किसानके खेतमे पहिचेबाक, कृषि उत्पादन बढ़ेबाक लेल तथा किसानकेँ आधुनिक प्रविधिबारे प्रत्यक्ष जानकारी करेबाक लेल कम्तीमे १० पालिकामे एकीकृत नमूना कृषि कार्यक्रम सञ्चालन कएल जेबाक मन्त्री चौधरी प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । कृषि उत्पादन वृद्धि, प्राविधिक सेवा, तालिम, परामर्श तथा प्रविधि हस्तान्तरणकेँ उक्त कार्यक्रममार्फत विशेष जोड़ देल जेबाक उल्लेख करैत ओ प्राङ्गारिक खेतीकेँ प्राथमिकता दैत माइटके उर्वरा शक्ति संरक्षण, सुरक्षित खाद्य उत्पादन आ टिकाउ कृषि प्रणाली विकासमे सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौलैन ।

कृषि, वन तथा पर्यावरण क्षेत्रके दीर्घकालिन विकासक लेल संघ, प्रदेश आ स्थानीय तहबीच प्रभावकारी समन्वय, स्रोत–साधनके उचित परिचालन तथा साझा योजनामार्फत आगू बढए पडत कहलैन । मन्त्री चौधरी प्रदेश सरकारसँ प्राप्त सुझावकेँ संघीय सरकार सम्बोधन करबाक प्रतिबद्धता सेहो व्यक्त केलैन । उक्त अवसरमे मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादव संघीय आ स्थानीय सरकारसँ प्रदेश सरकार समन्वय आ सहकार्य करबाक लेल तैयार आ कार्यक्रमकेँ सफल बनेबाक लेल प्रदेश सरकारक पूर्ण सहयोग रहबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...