आज्ञा खवर
सर्लाही
सर्लाहीके लालवन्दी नगरपालिका–७ स्थित डुमडुमे थोक तरकारी वजार परिसरमे वुधदिन दुपहर एकटा पुरुश मृत अवस्थामे भेटल अईछ।
मृतक लालवन्दी नगरपालिका–७ के४२ वर्षीय उमेश विश्वकर्मा रहल प्रहरी जनौले अईछ। इलाका प्रहरी कार्यालय लालवन्दीके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक श्याम थापा मगरके अनुसार विश्वकर्मा वजारभितर रहल शौचालयके प्रवेशद्वार नजदिक अचेत अवस्थामे भेटल छल । आ उनका जाँच करैत काल उनका घटनास्थले पर मृत्यु भे चुकल पुष्टि भेल छल।
घटनाके बिषय पर जानकारी प्राप्त होतेही प्रहरी टोली घटनास्थल पहुँचल छल। आवश्यक मुचुल्का आ प्रारम्भिक अनुसन्धान कैलाके वाद शव पोस्टमार्टम केलेल प्रादेशिक अस्पताल मलङ्गवा पठाएल गेल प्रहरी जनौने अईछ।
प्रहरीके अनुसार प्रारम्भिक अनुसन्धानके क्रममे मृतकके अत्यधिक मदिरा सेवनके कारण मृत्यु भेल आशङ्का कएल गेल अईछ मुदा मृत्युके वास्तविक कारण पोस्टमार्टम रिपोर्ट अईलाके वाद मात्रै स्पष्ट होईत से वात वताईल गेल अईछ। घटनाके बिषयमे थप अनुसन्धान जारी रहल प्रहरी जनौने अईछ ।
