आज्ञा खबर
काठमाण्डू
महोत्तरी, काभ्रे आ सप्तरीमे भेल अलग–अलग आगलागीके घटनामे गोठसब जईरके करीब सात लाख ४० हजार बराबरके धनमाल नष्ट भेल अईछ।
महोत्तरीके सोनमा गाउँपालिका–३ दक्षिणबारी टोलमे बुधदिन सुबह दिनेश यादवके गोठमे आईग लग्लासे गोठ पुरे जईर गेल पुलिस जनौले अईछ। अई घटनासे करीब तीन लाख बराबरके क्षति भेल प्रारम्भिक अनुमान कईल गेल अईछ।
एहिना, काभ्रेके बनेपा नगरपालिका–१ दुलाल गाउँमे लक्ष्मण दुलालके गोठमे मङ्गलदिन राईत विद्युत् सर्ट भेला से आगलागी भेल छल। जईसे गोठ पूर्णरूपेँ नष्ट भेला से करीब दु लाख ४० हजार बराबरके क्षति पहुँचल पुलिसके कहनाम अईछ।
तहिना, सप्तरीके कञ्चनरूप नगरपालिका–६ क्वाटर मलेठमे नवराज बस्नेतके गोठमे मङ्गलदिन राईतमे आगलागी भेला से उनकर गोठ जईरके करीब दु लाख बराबरके धनमाल नष्ट भेल प्रहरी प्रधान कार्यालय जनौले अईछ।
तीनू घटनामे मानवीय क्षति नईभेल पुलिस जनौने अईछ। सम्बन्धित जिल्ला प्रहरी कार्यालय आगलागीके कारणके बिषयपर थप अनुसन्धान क रहल अईछ।
