सर्लाहीमे शनिचर शुबह ४ घण्टा बिजुली आपूर्ति बन्न

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही

सर्लाही जिलामे शनिचर शुबह चार घण्टाक लेल बिजुली आपूर्ति रोकल जाएत। नेपाल विद्युत प्राधिकरणक अनुसार नवलपुर स्थित ग्रिड सब–स्टेशनमे क्यापासिटर बैंक जड़ान आ अन्य मर्मत–सम्भारककाज करबाक कारण लाइन सटडाउन कएल जाएत।

प्राधिकरणक जारी कयल सूचनाक अनुसार भाद्र १४ गते शनिचर शुबह ५ः३० बजे सँ ९ः३० बजे धरि विद्युत प्रवाह अवरुद्ध रहत।

नवलपुर ग्रिड सब–स्टेशन सँ सर्लाही जिलामे बिजुली आपूर्ति होइत अछि, ताहि कारण ई अवधिमे जिलाभरक लालबन्दी, बरहथवा आ मलंगवा वितरण केन्द्र अन्तर्गत क्षेत्रमे बिजुली आपूर्ति प्रभावित रहत कहल गेल अछि।

लालबन्दी वितरण केन्द्रक प्रमुख त्रिभुवन यादवक अनुसार आवश्यक प्राविधिक काज लेल कएल गेल ई सटडाउनक कारण उपभोक्ता निर्धारित समयमे सेवा नई पाबि सकताह।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...