उपरक पाटुके पुरान ईनार पुनः प्रयोगमे, पियबला पाईनक समस्या समाधान करबामे नगर प्रमुख क्षेत्रीके भूमिका

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास
बर्दिवास नगरपालिका–३,उपरक पाटु स्थित पवनेश्वर महादेव मन्दिर परिसरमे रहल पुरान ईनारके सफा क,क पुनः पाईन उपयोगमे आनल गेल अछि।

किछु समयसँ उपरका पाटुमे पियबला पाईनके गम्भीर समस्या भेलाक बाद स्थानीय अगुवा आ समाजसेवीसभक एकटा समूह शुक्रक दिन नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री सँ भेटिकए समस्या समाधान लेल ध्यान आकर्षण करौलन। स्थानीयक आग्रह सुनक नगर प्रमुख क्षेत्री नगरपालिकाक बजेटसँ मोटर आ २ इञ्चक करीब २सय ८० मिटर पाइप किनिकए तत्कालक समस्या समाधान करबाक निर्देश देलन।

ओहि परिणामस्वरूप शनिक दिन पवनेश्वर महादेव मन्दिरक पुरान ईनारमे मोटर जडान कएक पाइपलाइनमार्फत पियवला पाईन ट्यांकीमे पानी खसाबैक कार्यक उद्घाटन नगर प्रमुख क्षेत्री स्वयं करौलईन। ओही अवसर पर ओ पाईनक ट्यांकीके सेहो अवलोकन केलन।

स्थानीय समाजसेवी पशुराम रायमाझीक अनुसार आब शुबह आ संझा सहज रूप सँ धारा सँ पाईन उपलब्ध होएत। “एतय करीब २सय सँ बेसी पाईनक उपभोक्ता छथि। एहि व्यवस्थाक लागू भएबाक बाद एतय पाईनके दीर्घकालीन समस्या समाधानमे सहयोग भेटत अपेक्षा अछि,” रायमाझी कहलन।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...