बर्दिवास नगरपालिकामे व्यवसाय नवीकरणमे ७५ प्रतिशत जरिवाना छुट, व्यवसायीक सुविधा

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

मधेश प्रदेशक महोत्तरी जिल्लाक बर्दिवास नगरपालिकासँ अपन क्षेत्रमे दर्ता भऽ चुकल व्यवसायीक व्यवसाय नवीकरणमे लगबऽ वाला जरिवानापर पैघ छुट देबाक निर्णय लेल गेल अछि। नगरपालिकाक आर्थिक ऐन २०८२ क अनुसार, व्यवसाय नवीकरणमे आब ७५ प्रतिशत जरिवाना छुट देल जाएत।

नगरपालिकाक राजस्व प्रशासन शाखा द्वारा जारी सूचनाक अनुसार, विगत वर्षसभमे विभिन्न कारणसँ व्यवसाय नवीकरण कराबऽमे छुट गेल व्यवसायी सभ जँ एहि वर्षक असोज महिनाक अन्तिम तारिख धरि नवीकरण कराबैत छथि तऽ हुनका जरिवानापर ७५ प्रतिशत छुट भेटत।

एहि निर्णयसँ व्यवसायी सभके व्यवसाय नवीकरण कराबऽ लेल प्रोत्साहन भेटत आओर नगरपालिकाक राजस्व संकलनमे सुधार होयबाक अपेक्षा अछि। व्यवसायी सभके उचित समयमे नवीकरण प्रक्रिया पूरा करबाक लेल नगरपालिकाक आग्रह कायल गेल अछि।

बर्दिवास नगरपालिका राजस्व प्रशासन शाखा कहलक अछि, “एहि छुटक लाभ लेबाक लेल व्यवसायी सभके जतबे जल्दी सम्भव होयत अपन व्यवसाय नवीकरण कराबऽ पड़त, जाहि सँ कर आ जरिवानामे राहत भेट सकय।”

बर्दिवास क्षेत्रक व्यवसायी सभके एहि अवसरक सदुपयोग करैत अपन व्यवसाय नवीकरण कराबऽ लेल जोर देल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...