महोत्तरीमे धान रोपनी अभीयो बहुत पिछरल अछि, किसान चिन्तित

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

सावनक तेसर सप्ताह बिति चुकलहोइतेभी महोत्तरीमे धान रोपनी बहुत ढÞिला भऽ रहल अछि। बरसातक मौसम शुरू भऽ गेल अछि, मुदा एहि ठामक किसान सभ पुरान समस्या—पानि के, अभाव आ बीया कमी—क कारण खेतीमे परेशान छथि।

आसार महिनामे लगाबऽवला धान एखन तक नईि लगाओल गेल अछि, बेसी खेत सुनसान अछि आ किसान चिन्तित छथि। “काल्हि–काल्हि पानि त की, खेतमे कादौ देबाक लेल पानि केर अभाव अछि,“ बर्दिवास नगरपालिका–९ के किसान रामप्रकाश महतो कहलनि, “एहि बरख तऽ धान लगाबऽक बात छोड़ू, सुखायल खेतहि सुनसान भऽ गेल।“

कृषि ज्ञान केन्द्र, महोत्तरीक अधिकारी सभ कहलनि जे सावनक तेसर सप्ताह भऽ गेलहोइते आधा सेहो रोपाइ नहि पूरा भेल अछि, मुदा समस्या दूर करबाक लेल कोनो ठोस पहल नहि भेल अछि। बीया आ मल नहि भेटबाक कारण किसान सभ बहुत निराश छथि, आ सुखाड़ आ पानि अभावसँ रोपाइओ कम भेल अछि।

“हिउँदमे धान लेल जेठक अन्त धरि ब्याड बनाक राखब आ सावनक अन्त धरि खरुआन रोपब जरूरी होइत अछि, मुदा आब ओ सभ योजना धराशायी भऽ गेल अछि,“ कृषि विशेषज्ञ मनीषा यादव कहलनि।

पानि अभाव आ समय पर बीया नहि भेटबाक कारण किसान सभ धानक खेतीमे आर्थिक रूपसँ बहुत घाटा उठाबऽ पडÞि रहल छथि। “प्रत्येक वर्ष अपेक्षा पैघ होइत अछि, मुदा एहि वर्ष उत्पादनमे पैघ गिरावट होयत देखाइत अछि,“ स्थानीय किसान धनश्याम साह चिन्ता व्यक्त कएलनि।

बरसात अनुकूल नहि भेल तऽ एहि प्रकारें रोपाइ ढÞिला होइत रहत आ कृषक सभक भविष्य उजाड़ भऽ सकैत अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...