आज्ञा खबर
सिरहा
सिरहाक कल्याणपुर नगरपालिकाक प्रमुख राम पुकार साह विरुद्ध घूस लऽबाक आरोपमे विशेष अदालत काठमाण्डूमे मुद्दा दायर कएल गेल अछि।
अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक प्रवक्ता राजेन्द्र कुमार पौडेलक अनुसार, कल्याणपुर-६ मे नाला निर्माण परियोजना सम्पन्न हेबाक बाद भुक्तानी प्रक्रियाक दौरान सेवाग्राही सँ बीचौलियाक माध्यम सँ एक लाख टाका घूस लऽबाक प्रमाणसहित साह केँ गिरफ्तारी कएल गेल छल।
आयोगक कहन अनुसार, गिरफ्तारीक समय घूसक सम्पूर्ण रकम बरामद कएल गेल छल। आयोग भ्रष्टाचार निवारण ऐन, २०५९ क धारा ३(१)(ग) अनुसार साह केँ बिगो बराबर एक लाख टाकाक जरिमाना आ ओहि अपराधक सजाक माँग करैत शुक्रक दिन आरोपपत्र दर्ता कएल गेल अछि।





































