सर्लाहीमे भेल सड़क दुर्घटनामे नगर कार्यपालिका सदस्यक मृत्यु

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही

जिल्ला केर बलरा नगरपालिकाक कार्यपालिका सदस्य ५५ वर्षीया चन्दा देवी बैठाक शनिचर भेल मोटरसाइकिल दुर्घटनामे मृत्यु भ’ गेल अछि।

स्थानीयर भितरी सड़क खण्डमे अनियंत्रित मोटरसाइकिल ठोकर मारलासँ ओ गंभीर रूप सँ घायल भ’ गेल छलीह। तुरतहे प्रादेशिक अस्पताल मलंगवा पहुँचेलाक बाद उपचार केर क्रममे चिकित्सक सभ ओके मृत घोषित केने छलथिन, ई जानकारी जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाही देने अछि।

दुर्घटनामे मोटरसाइकिल चालक सेहो गंभीर रूप सँ घायल भेल छथि आ हुनकर उपचार भेल रहल अछि। घटना संबंधमे आगाँक अनुसंधान जारी रहबाक बात प्रहरी निरीक्षक बालिष्टर सिंह कहलनि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...