‘दर्ता प्रक्रियामे परिवर्तन सऽ लोकतन्त्र नञि खत्म होइत’ — मंत्री गुरुङ

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
काठमाडौं

सूचना आ सञ्चार प्रविधि मंत्री पृथ्वी सुब्बा गुरुङ कहलनि जे संचार माध्यम सभक दर्ता प्रक्रिया केँ जिला प्रशासन कार्यालयमे स्थानान्तरण करबाके विषयके अनावश्यक रूप सऽ ‘लोकतन्त्र पर हमला’ कहिकऽ व्याख्या करब उचित नञि अछि।

बुध दिन संसद भवन परिसरमे संचारकर्मीसँ बात करैत ओ कहला जे एहि विषयमे भ्रम नञि फैलाओल जाय। मंत्री गुरुङ कहला, “कोनो संस्था सऽ दोसर संस्था मे दर्ता करबाक स्थान बदललासँ लोकतन्त्र खत्म भऽ गेल कहब तर्कसंगत नञि अछि। अहाँ कानूनी ढाँचा अनुसार जतऽ दर्ता करबाक व्यवस्था छै, ओहि ठाम दर्ता करब उपयुक्त होइत।”

ओ कहलनि जे पहिने सूचना विभाग सँ संचार माध्यम सभक दर्ता होइत रहल, मुदा आब नव कानूनी प्रावधान अनुसार जिला प्रशासन कार्यालय सँ दर्ता करबाक व्यवस्था अछि, आ एकर लेल सामान्य प्रक्रियाक रूपमे लेल जाय।

मंत्री गुरुङ कहला, “कानून बनाबऽक जिम्मा सरकारक होइत अछि। कतऽ दर्ता करऽ पड़त, से कानूनमे स्पष्ट लिखल अछि। कानून सभक लेल बराबर अछि, आ एकर पालना करब नागरिकक जिम्मेदारी थिक।”

ओ कहलनि जे सूचना आ प्रसारणसँ संबंधित नीति आ नियमक पालन करब लोकतान्त्रिक अभ्यासक अभिन्न हिस्सा छी, आ दर्ता प्रक्रियामे आयल परिवर्तन केँ सकारात्मक दृष्टिकोण सऽ देखल जाय।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...