खापुङ मलेशिया दौरा पर, राष्ट्रपतिकेँ कार्यालय भण्डारीकेँ देलक जिम्मा
आज्ञा खबर
काठमाडौं
कोशी प्रदेशक प्रमुख परशुराम खापुङ मलेशिया यात्रा पर जे रहल छैथ, ताहि कारणेँ ओहिकेँ कार्यभार किछु दिनक लेल मधेश प्रदेशक प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारीकेँ देल गेल छै।
राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल आइतवार भण्डारीकेँ कोशी प्रदेशक कार्यवाहक प्रमुखक रूपमे नियुक्त कएलनि। शीतल निवास स्थित राष्ट्रपति कार्यालयक प्रवक्ता शैलजा रेग्मी भट्टराईक अनुसार, नेपाल सरकार मंत्रिपरिषद्क सिफारिश पर भण्डारीकेँ ई जिम्मेदारी देल गेल छै।
प्रदेश प्रमुख खापुङ मलेशियामे होयवाला नेपाल आदिवासी जनजाति महासंघ मलेशियाक चौथम अधिवेशनमे प्रमुख अतिथिक रूपमे सहभागी होयवाक कार्यक्रम तय भेलाक बाद राष्ट्रपति कार्यालय कोशीक कार्यभार भण्डारीकेँ सौंपबाक निर्णय कएलक।
संघीय प्रणालीमे प्रदेश प्रमुखक अनुपस्थितिमे कार्य संचालनमे निरन्तरता बनौबाक लेल वैकल्पिक व्यवस्था जरूरी होइत छै, ताहि हेतु राष्ट्रपति द्वारा लेल गेल ई निर्णयकेँ औपचारिक प्रक्रिया अनुरूप उठाओल गेल कदम मानल जा रहल छै।





































