आज्ञा खबर
बर्दिबास
महोत्तरी जिला अंतर्गत बर्दिवास नगरपालिका–३ स्थित पानी खोल्सी रातमाटा सामुदायिक बन क्षेत्रमे शनिचर दिन वृक्षारोपण कार्यक्रम सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल।
एहि कार्यक्रममे बर्दिवास नगरपालिकाक नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री मुख्य अतिथि तथा वडा नं–३ केर वडाध्यक्ष विराट कुमार विष्ट विशिष्ट अतिथि रूपमे उपस्थित छलाह। संगहि स्थानिय वासी, नेपाली सेना, विभिन्न संघ–संस्थाक प्रतिनिधि आ नवयुवाक सक्रिय सहभागिता सेहो उल्लेखनीय रहल।

कार्यक्रमक क्रममे सामुदायिक बन क्षेत्रक भीतर पाँच सय सँ बेसी विभिन्न जातिक बिरुवा रोपल गेल, जकर जानकारी बन समितिक अध्यक्ष रुद्र थापाक द्वारा देल गेल। हुनकर अनुसार स्थानीय सामुदायिक बनक संरक्षण आ पर्यावरणीय संतुलन बनौने उद्देश्य सँ ई वृक्षारोपण कार्यक्रम आयोजित कैल गेल।
नगरप्रमुख क्षेत्री कहलनि जे वातावरणक संरक्षण लेल सामूहिक प्रयास जरूरी छै आ नगरपालिका एहि तरहक अभियानमे निरंतर सहयोग करत। ओतहि वडाध्यक्ष विराट कुमार विष्ट कहलनि जे सामुदायिक बनक संरक्षण आ सदुपयोगमे स्थानिय लोकक सक्रिय सहभागिता सराहनीय छै।
कार्यक्रममे सहभागी स्थानीय वासी लोकनि रोपल गेल बिरुवाक नियमित देखभाल आ संरक्षणमे सहयोग करबाक प्रतिबद्धता जनौलनि। वृक्षारोपण कार्यक्रमक पश्चात सहभागी सभके धन्यवाद ज्ञापन करैत बन समितिक ओर सँ कहल गेल जे आगाँक दिनमे एहेन कार्यक्रम लगातार चलाओल जायत।





































