बर्दिबासमे शिक्षा नीति पर गहिर चर्चा, पारदर्शिता आ जवाबदेहिताक माँग

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर,
बर्दिबास

बर्दिबास नगरपालिकामे शिक्षा नीति, बजेट बाँटफाँट आ कार्यान्वयन प्रक्रियामे पारदर्शिता आ जवाबदेहिताके संस्थागत बनेबाक उद्देश्य सँ एकटा विमर्शात्मक कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि।

नगरपालिकाक शिक्षा, युवा आ खेलकुद शाखाक समन्वयमे डिएसओ द्वारा आयोजित “शिक्षा नीतिसम्बन्धी संवाद कार्यक्रम” मे स्थानीय जनप्रतिनिधि, शिक्षक, विद्यालय प्रबंधन समिति, शिक्षा अधिकृत सं ल’ क’ समाजक विभिन्न क्षेत्रसँ जुड़ल सरोकारवाला लोकनिक उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।

शिक्षामे नागरिकक आवाज

कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि जे नगरक विद्यालयसभमे पूर्वाधार निर्माण, महिला नेतृत्वक सशक्तीकरण आ डिजिटल शिक्षामे नगरक लगानी उल्लेखनीय रहल अछि।
“दस वर्षीय शिक्षा नीति केँ शीघ्र लागू कएल जाए तँ बर्दिबास केँ जल्दीये साक्षर शहर घोषित कएल जा सकैत अछि,” ओ कहलनि।

नगर उपप्रमुख तारादेवी महतो महिला लक्षित सिपमूलक तालिम, सांकेतिक भाषा तालिम आ छात्रवृत्ति कार्यक्रम संचालनमे नगरक सक्रियता पर चर्चा करैत महिला नेतृत्वमे होइते विकास पर संतोष प्रकट कएलनि।

सार्वजनिक विद्यालय पर घटैत विश्वास

वडा नम्बर ५ क अध्यक्ष कहलनि जे सरकारी विद्यालयसभमे सुविधा आ योग्य जनशक्ति होइतो अभिभावकक विश्वास निजी विद्यालय दिस झुकब चिंताक विषय अछि।
“एकर कारण चिन्हित क’ क’ सार्वजनिक शिक्षापर पुनः विश्वास बनाबैके दिशा मे काज करब जरूरी अछि,” ओ कहलनि।

दलित सहभागिता अबहियो कमजोर

शिक्षा विभाग प्रमुख रेवती पराजुली जानकारी देलनि जे नगरमे ५० सामुदायिक, २७ निजी, ३ धार्मिक, ५–६ प्राविधिक आ ४ स्नातक तहक कलेज अछि। कुल २५,८६३ विद्यार्थी नामांकनमे अछि। कक्षा १ सँ ८ धरि नामांकन दर ९७.५१५ प्रतिशत अछि, आ साक्षरता दर ८५ प्रतिशत सँ बेसी अछि।
तथापि दलित समुदायक सहभागिता अबहियो कमजोर अछि, आ दीर्घकालीन सुधार लेल अतिरिक्त बजेट आ लक्षित कार्यक्रम जरूरी अछि— एहन आवाज कार्यक्रममे उठल।

नीति नीक, कार्यान्वयन कठिन

वडा नं. ८ क अध्यक्ष कहलनि जे नीति त सशक्त अछि, मुदा कार्यान्वयनक स्तरपर बाधा अछि।
“गुणवत्तापूर्ण शिक्षा सब सरोकारवाला लोकनिक सहकार्य बिनु सम्भव नै अछि,” ओ जोड़ि देलनि।

शिक्षा केँ लोकतान्त्रिक अभ्यास सँ जोड़ेबाक प्रयास

कार्यक्रमक मूल उद्देश्यसभमे नागरिक सरोकारके नीति निर्माणमे समावेश, शिक्षक व्यवस्थापनमे सुधार, प्रमाण-आधारित आ समावेशी नीति बनाबैक प्रक्रिया, आ दिगो विकास लक्ष्यमे (SDG) नागरिक समाजक प्रभावकारी भूमिका सुनिश्चित करब प्रमुख छल।

महिला सहभागिता उत्साहजनक

नगरमे हाल ४९५ महिला शिक्षक कार्यरत छथि, आ किछु विद्यालयमे महिला प्रधानाध्यापक वा व्यवस्थापन समिति प्रमुखक रूपमे सेहो योगदान दैत छथि। नगरक लिंग समानता सूचकांक (GDI) ०.८८ अछि।

बर्दिबास केँ शैक्षिक केन्द्र बनेबाक संकल्प

वडा नं. १ क अध्यक्ष भोला खड्का कहलनि जे बर्दिबास केँ मधेस प्रदेशक शैक्षिक केन्द्र बनेबाक सपना अछि, आ एहन संवाद कार्यक्रमक निरंतरता आवश्यक अछि।
“डिजिटल शिक्षा आब विलासिता नै, बल्कि आवश्यकता अछि,” ओ कहलनि।

साझा समझदारी आ समावेशी नीति निर्माणक निष्कर्ष

कार्यक्रममे असमानता, अवसरक अभाव, नीतिगत अस्पष्टता आ स्रोतक कमी पर खुला बहस भेल। सहभागीसभ बीच शिक्षा नीति निर्माणमे नागरिकक सहभागिता आ साझा समझदारीक महत्व पर स्पष्ट निष्कर्ष निकलल।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...