सिन्धुलीमे एक्के परिवारक १६ गोटे अचानक बेपत्ता, घरमे पशुपंक्षी छुटल, गाममे सनसनी

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सिन्धुली

सिन्धुली जिलाक गोलाञ्जोर गाउँपालिका–६ स्थित भण्डास बिप्पर कटेरी गाम एखन चर्चामे अछि। कारण छै— उर्मिला हायू नामक महिला सहित एक्के परिवारक १६ गोटे सदस्य रहस्यमय तरिकासँ एक्के बेरमे सम्पर्कविहीन भ’ गेल छथि।

ओहि परिवारक घरक दरबज्जा खुजल अवस्था मे भेटल छै, पशु-पंक्षी (भैंस, बाखरा, कुखुरा) ओहिने बाँधल, भान्सा यथावत्, मुदा लोक नै। गामक लोकसभक कहब छै— जइना एक्कै बेरमे सभ गोटे गायब भ’ गेल होथि।

गाउँक वडाध्यक्ष रविन श्रेष्ठ अपन सामाजिक सञ्जाल मार्फत जानकारी देलनि जे उर्मिला हायू सहित पूरा परिवार सम्पर्कविहीन छै। “घर खुल्ला छै, पशु छुटल, मुदा कोनो मान्छे नै। बुझबे नै भ’ रहल छै कि सभ कत्त’ गेल छथि,” श्रेष्ठ कहलनि।

एहि खबरक जानकारी भेटते जिलाप्रहरी कार्यालय सिन्धुली सँ एक टोलि घटनास्थल पर पहुँच चुकल छै। प्रहरी प्रमुख एसपी लालध्वज सुवेदी कहलनि— “घरक मुख्य दरबज्जा खुजल भेटल, खोरमे चौपाया बाँधल, भान्साक टहरो भत्कल, मुदा कोनो हिंसात्मक संकेत भेटल नै।”

‘बिहिबार सूअर काटि भोज केने छलाह’

प्रहरीक अनुसंधान अनुसार, ओहि परिवार बिहिबार साँझ सूअर काटि सामूहिक भोज केने छल। ओहि दिन हायू समुदाय जे लोपोन्मुख जातिमे आबैत अछि, तहिना गामपालिकासँ जनही १२ हजार टका सहायता राशिसँ सेहो लाभान्वित भेल छल।

तेँ एखन अनुसन्धानक एक कोण ईहो छै जे— की सहायता रकम भेटिते ओ सभ गुमघुमै लेल कतहुँ गेल छथि वा कोनो गहिर रहस्य अछि? मुदा एखन धरि प्रहरी कोनो ठोस निष्कर्ष पर पहुँचल नै छै।

घटना अनसुलझल पहेली

स्थानीय लोक सभ लेल ई घटना बहुत अचंभित करयवला बनल छै। कोनो आपराधिक संकेत नै देखाइए, मुदा एक्के परिवारक सभ गोटे बिना कोनो सूचना घर छोड़ि देब, ओहो बिना केकरो संपर्कमे रहब— ई सामान्य बात नै होइत।

एक स्थानीय निवासी कहलनि, “पहिने बुझल जे कतहुँ घुमै गेल होथि, मुदा एतेक दिनसँ एको फोन-संपर्क नै— बहुत चिन्ताक बात छै।”

प्रहरी सक्रिय, गामक लोक सेहो जुड़ल

प्रहरीक खोजतलास तेज बनाओल गेल छै। गामपालिकाक जनप्रतिनिधि, प्रहरी आ स्थानीय लोकसभ एकजुट भ’ परिवारक ठेकानाबारे पता लगा रहल छथि।

जनसम्पर्क करय लेल आग्रह

वडाध्यक्ष श्रेष्ठ आग्रह केलनि जे यदि परिवारक कोनो सदस्य केकरो संपर्कमे आबथि त’ तुरन्तै प्रहरी वा स्थानीय निकायक जानकारी देल जाय। “हमरा डर अछि— कत्तहुँ कोनो अनिष्ट त’ नै भेल? तैँ खोजीमे ढिलाई नै होबाक चाही,” श्रेष्ठ कहलनि।


  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...