आज्ञा खबर
सर्लाही
सर्लाही जिलाक लालबन्दी नगरपालिका–१७, रानीगंज स्थित चौतारापर एक वृद्ध पुरुष मृत अवस्थामे भेटायल छथि।
मृतकक पहचान मोरङ जिलाक सुन्दरहरैचा नगरपालिका–७, गच्छिया टोल निवासी ६५ वर्षीय धनबहादुर कार्कीके रूपमे भेल अछि।
इलाका प्रहरी कार्यालय लालबन्दीके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक वीरेन्द्र सिंहक अनुसार, स्थानीय लोकनि चौतारापर लास देखिकय प्रहरीके जनकारी देने छलथि। तत्पश्चात प्रहरी टोली घटनास्थल पर पहुँचिकय प्रारम्भिक विवरण संकलन कएलक।
शवके पोष्टमार्टमक लेल सर्लाहीक प्रादेशिक अस्पताल मलंगवा पठाओल गेल अछि। कार्कीजीक मृत्युक कारण एखन धरि स्पष्ट नञि भेल अछि। प्रहरीक अनुसार घटनाक गहिराईसँ अनुसंधान जारी अछि।





































