आज्ञा खबर
बर्दिवास
बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लादकुमार क्षेत्री कहलनि जे जुवाजुवती समाजक मेरुदण्ड छथि आ ओहि सभक सक्रियता बिना सुन्दर समाजक निर्माण असम्भव छन्हि।
महोत्तरी जिलाक बर्दिवास नगरपालिका मे संचालित सामाजिक संस्था “युवा सञ्जाल बर्दिवास” केर तेसर साधारण सभाक प्रमुख अतिथिक रूप मे सम्बोधन करैत ओ कहलनि जे बालविवाह केर न्यूनीकरण लेल बालबालिका स्वयंमे सचेत होएब आवश्यक छै।
ओ कहलनि, “जुवाक सक्रिय सहभागिता बिना समावेशी, सुरक्षित आ न्याययुक्त समाज केर परिकल्पना सम्भव नै छै। खास कऽ कऽ बालश्रम, मानसिक आ शारीरिक शोषण, आ लागूपदार्थ दुर्व्यसन जेकाँ सामाजिक समस्याक अन्त्य मे जुवाक भूमिका जरूरी छै।”
कार्यक्रम मे दोसर वक्ता लोकनि सेहो बालबालिका पर होमय बला मानसिक, शारीरिक शोषण, बालश्रम, लागूपदार्थ दुर्व्यसन आ समाजक सब क्षेत्र मे बालक सबहक समानुपातिक सहभागिता जेकाँ मुद्दा पर अपन अपन विचार राखलनि।
संस्थाक नव निर्वाचित अध्यक्ष सुरेन्द्र साह कहलनि जे संस्था अपन छोट अवधि मे शिक्षा, सरसफाइ, धर्म-संस्कृति केर संरक्षण, रक्तदान जेकाँ सामाजिक अभियान मे उल्लेखनीय योगदान देलक अछि।
ओहि साधारण सभासँ संस्था लेल नव कार्यसमिति सेहो गठन कैल गेल अछि। सुरेन्द्र साहक अध्यक्षतामे गठित ११ सदस्यीय कार्यसमितिमे निम्न सदस्य सभ चयन कैल गेल छथि:
-
अध्यक्ष: सुरेन्द्र साह
-
उपाध्यक्ष: रञ्जु कुमारी साह
-
सचिव: जमुना विश्वकर्मा
-
सह–सचिव: आशा कुमारी महतो
-
कोषाध्यक्ष: आशा कुमारी साह
-
सदस्यगण:
-
सुरज सदा
-
राजकुमार श्रेष्ठ
-
सपना खड्का
-
आदि
-
संस्थाक तरफ सँ जनाओल गेल जे आगाँक दिनमे बाल अधिकार, महिला सशक्तिकरण, युवा नेतृत्व विकास आ पर्यावरण संरक्षण जेकाँ विषय पर विशेष अभियान संचालन कैल जाएत।
सभामे नगर क्षेत्रक विभिन्न प्रतिनिधि, युवा अभियन्ता, जनप्रतिनिधि आ सामाजिक व्यक्तित्व सभक उत्साहजनक उपस्थिति रहल।





































