आज्ञा खबर
गौशाला
गौशाला नगरपालिका–५ मे स्थित गोरू आ खसीक बजारक ठेक्का केँ लऽ क’ उठल विवाद झड़प म’ परिणत भ’ गेल, जाहि मे चार गोटा व्यक्ति घायेल भ’ गेल छथि। ई घटना पशुबजारक ठेक्का व्यवस्थापन मे बहुत दिन सऽ चलि रहल विवादक पछिला रूप मानल जा रहल अछि।
इलाका प्रहरी कार्यालय गौशालाक अनुसार घायेल होयबय वाला म’ वडा नं. २ केर वडाध्यक्ष श्यामकुमार मण्डल, आ स्थानीय विपिन साह, विजय यादव आ सुरेन्द्र महतो छथि। ओ सभ केँ तत्काले स्थानीय स्वास्थ्य संस्थान मे उपचारक लेल ल’ जाएल गेल अछि।
स्थानीय लोकनिक कहब अछि जे विवादक मूल कारण गोरू आ खसीक बजारक ठेक्का पर दू गोट पक्ष — गौशाला नगरपालिका आ निगौल गाई गौशालाक बीच मे अधिकारक दाबी छै। दुनू पक्ष अपन-अपन अधिकारक दाबी करैत राजस्व उठेबाक प्रयास क’ रहल छल, जे कारणे भिडन्तक स्थिति बनल।
प्रहरीक अनुसार निगौल गाई गौशालाक तर्फ स’ कर्मचारी सभ केँ राजस्व संकलनक लेल खटाएल गेल छल। मुदा नगरपालिका ओ प्रयास मे अवरोध खड़ा केलक, आ ओहि ठाम सिट्टी–पिट्टी सुरू भ’ झड़प भ’ गेल।
निगौल गाई गौशालाक कार्यालय प्रमुख वीरबहादुर चौधरीक अनुसार गौशाला नगरपालिका आ गाई गौशालाक बीच २०७० साल म’ एकटा सहमति भेल छल, जाहि अनुसार पशुबजार स’ उठनिहार कुल राजस्वक २५ प्रतिशत गाई गौशालाक लेल देबाक बात भेल छल। मुदा ओ आरोप लगौलनि जे नगरपालिका एखन धरि पाँच करोड़ टका सऽ बेसी बकाया रकम नहि देने अछि आ जबरदस्ती बाजारक ठेक्का अपनहि देबाक प्रयास क’ रहल अछि।
ओहि आधार पर राष्ट्रीय सहकारी विकास बोर्डक अन्तर्गत आबैत निगौल गाई गौशाला बजारक ठेक्का ल’ क’ अपन अधिकारक दाबी करैत स्वयं राजस्व संकलन शुरू केलक, जे कारणे झड़पक स्थिति बनल।
ई विवादास्पद पशुबजार महोत्तरीक गौशाला नगरपालिका–५ म’ पड़ै वाला कित्ता नं. ८२, ८३, ८४ मे अवस्थित २ बिघा १९ कठ्ठा ११ धुर जमीन पर संचालन होइत अछि। एहि स्थान पर विशेष क’ दशैँ–तिहारक समय बड्ड पैघ पैमाना पर पशु खरीद–बिक्री होइत अछि।
स्थानीय लोकनिक कहब अछि जे एहि प्रकारक अनिश्चितता आ विवाद स’ पशुबजार व्यवस्थापन पर सवाल उठैए, संगहि राजस्वक पारदर्शिता, स्थानीय सहमति आ प्रशासन पर विश्वास पर सेहो प्रश्नचिह्न उठल अछि।
घटनाक सम्बन्ध म’ आरो अनुसन्धान जारी छै, पुलिस द्वारा जनावल गेल अछि।





































