सर्लाहीमे स्रोत नै खुलल १४ लाख रुपैयासँ एक गोटे युवक पकड़ायल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
मलंगवा

नेपाल–भारत सीमा नियरा सर्लाहीमे एक गोटे युवक स्रोत नै खुलल १४ लाख रुपैयासँ पकड़ायल छथि। सशस्त्र प्रहरी भारतसँ नेपाल अबैत समय ओहि व्यक्तिकेँ रूपैया संग नियंत्रणमे लेने छथि, कारण रूपैयाक स्रोत बारे जानकारी नहि भेटल।

पकड़ायल व्यक्ति मलंगवा नगरपालिका–२ निवासी ३६ वर्षिय इन्द्रजित प्रसाद साह छथि। सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक देवबहादुर चन्दक अनुसार साहकेँ मलंगवा नगरपालिका–८ केर दशगजा सीमा क्षेत्रसँ पकड़ल गेल। ओ भारतीय नम्बर प्लेट (९द्यच् घण् प् द्धण्ण्ढ०) रहल मोटरसाइकल पर नेपाल प्रवेश क’ रहल छलाह।

प्रहरीक अनुसार बरामद १४ लाख रुपैयाक स्रोत स्पष्ट नहि भेल अछि। प्रारम्भिक जाँचसँ ई आशंका कएल जा रहल अछि जे ई रुपैया अवैध हुण्डी कारोबारमे प्रयोग भ’ रहल होयत। हाल प्रहरी एहि मामिलामे आगाँक अनुसन्धान जारी रखने अछि।

नेपाल–भारतक खुल्ला सीमाक कारण सीमावर्ती क्षेत्रसभमे यैसँ मिलल-जुलल अवैध कारोबार बारम्बार होइत रहैत अछि, जाहिसँ सुरक्षा चुनौती सेहो बढ़ैत जा रहल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।