कक्षा १२के मौका परीक्षाके परीक्षाफल प्रकाशित

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

काठमाण्डू

राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड वृहस्पैतदिन कक्षा १२के मौका परीक्षाके परीक्षाफल प्रकाशित केलक अइछ । बोर्डके अनुसार परीक्षामे ७१ हजार ३१० परीक्षार्थी सहभागी भेल छल । जाहिमे सब विषयमे ग्रेड प्राप्त केनिहार परीक्षार्थीके सङ्ख्या ५७ हजार ८९७ अइछ । ई ८१.१९ प्रतिशत छी। एहिने, तीन परीक्षार्थीके परीक्षाफल रद्द कएल गेल अइछ ।

नतिजामे प्राविधिक कारण कोनो त्रुटि भेलापर परीक्षा नियन्त्रण कार्यालयक मूल अभिलेखसँ सुधार कएल उल्लेख अइछ । परीक्षाफल बोर्डके वेबसाइट, एसएमएस आ आइभीआर सर्भिससँ प्राप्त कएल जाएत । बोर्ड इएह साओन २ आ ३ गते मौका परीक्षा सञ्चालन कएने छल ।  (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...