मत्स्य केन्द्रद्वारा चाइर करोड़ ३८ लाख जिरा उत्पादन

[sharethis-inline-buttons]

 

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

अइ ठाँमस्थित मत्स्य मानव संसाधन विकास तथा प्रविधि परीक्षण केन्द्र एक सालमे चाइर करोड़ ३८ लाख जिरा (माछके बच्चा)उत्पादन केलक अइछ । केन्द्रके प्रमुख ज्ञानबहादुर जिरेल अनुसार आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे केन्द्र चाइर करोड़ ३८ लाख ह्याचलिङ, ३२ लाख फ्राइ जिरा, १३ लाख ८२ हजार फिङ्गरलिङ तथा दू हजार ५३ किलो माछ उत्पादन बिक्री वितरण केलक अइछ ।

जिरा बिक्रीसँ ३४ लाख ३५ हजार ५३६ टका आम्दानी भेल अइछ । एहि बीच, केन्द्र सरकारी सम्पत्ति बहालसँ तीन लाख २४ हजार ३०० टका तथा अन्य प्रशासनिक सेवा प्रवाहसँ ५९ हजार टका आम्दानी केलक अइछ । केन्द्रसँ उत्पादित जिरा मधेश प्रदेशक धनुषा, सिरहा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट, बारा आ पर्सासहित बागमती प्रदेशक काठमाण्डू, सिन्धुली, रामेछाप आ दोलखा तथा कोशी प्रदेशक सुनसरीक किसानसभ सेहो खरिद करैत आएल छैथ । केन्द्र रहु, नैनी, भाकुर, कमन कार्प, सिल्भर कार्प, बिगहेड कार्प आ ग्रास कार्पके जिरा उत्पादन करैत आएल अइछ ।

बितल आर्थिक वर्षमे केन्द्र चाइर करोड़ ७५ लाख पाँच हजार ह्याचलिङ, ३२ लाख ३६ हजार फ्राइ जिरा, १२ लाख ६२ हजार फिङ्गरलिङ तथा दू हजार किलो माछ उत्पादन कएने छल । केन्द्र निजी क्षेत्रके ह्याचरी सञ्चालककेँ तालिम तथा प्राविधिक ज्ञान दैत आएल अइछ । वि.सं. २०१८ मे स्थापना भेल केन्द्रमे ७८ टा पोखैरमे १९ टा पोखरी प्रयोगविहीन अइछ । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...