मधेश प्रदेशमे ट्रान्सफर्मर चोरीके घटना बढ़ल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशक विभिन्न जिलामे ट्रान्सफर्मर चोरीक घटना बढैत गेल अइछ। पछिला पाँच वर्षमे ९९ टा ट्रान्सफर्मर चोरी भेल नेपाल विद्युत् प्राधिकरण मधेश प्रादेशिक कार्यालय जनकपुरधामके प्रशासन प्रमुख कालिचरण यादव राससकेँ जानकारी देलैन अइछ । ओ ट्रान्सफर्मरभित्र प्रयोग होएबला तामके तार महँग दाममे बिक्री भेलासँ चोरीके घटना बढ़ल बतौलैन ।

महोत्तरीसँ ३५, बारामे १५, धनुषामे १४, रौतहटमे १०, सर्लाही आ सिरहामे नौ/नौ टा, सप्तरीमे तीन टा तथा पर्सामे दू टा ट्रान्सफर्मर चोरी भेल छैथ । चोरी भेल ट्रान्सफर्मरके क्षमता १५ केभिएसँ २०० केभिएके छै । ट्रान्सफर्मर चोरी किसानकेँ प्रत्यक्ष प्रभाव पड़ल अइछ ।

कहल समयमे सिँचाइ नै भेलासँ ओसभ प्रभावित भेल छैथ । दोषीकेँ शीघ्र गिरफ्तार करैत नयाँ ट्रान्सफर्मर जड़ान करबाक लेल सम्बन्धित निकायसँ कृषकसभ माँग केलक अइछ । मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनकपुरधामके प्रहरी नायब महानिरीक्षक ओमप्रसाद अधिकारी चोरी भेल ट्रान्सर्फमरके खोजी कार्य भ रहल बतौलैन । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...