धनुषामे निषेधाज्ञा हटाएल गेल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

जिला प्रशासन कार्यालय धनुषा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकालगायत क्षेत्रमे जारी कएल गेल निषेधाज्ञा आइ भोरसँ हटाएल गेल अइछ । प्रमुख जिला अधिकारी प्रेमप्रसाद लुइँटेलद्वारा जारी सूचनाअनुसार साओन १८ गते सोमदिन भोर ५ः०० बजेसँ निषेधाज्ञा पूर्ण रूपमे हटाएल गेल अइछ । स्थानीय प्रशासन साओन १६ गते शैनदिन भोर १०ः०० बजेसँ स्थानीय प्रशासन ऐन, २०२८ के दफा ६ (३क) बमोजिम निषेधाज्ञा जारी कएने छल ।

आन्दोलनरत पक्ष अपन सब आन्दोलनके कार्यक्रम फिर्ता लेने, जिलाके सुरक्षा अवस्था सामान्य बनैत गेल तथा जनजीवन क्रमशः सामान्यीकरणदिस उन्मुख भेल प्रशासन जनौलक अइछ । सुरक्षा अवस्थाके समीक्षा तथा जिला सुरक्षा समितिके बैसारक निर्णयके आधारमे उक्त निषेधाज्ञा हटेबाक निर्णय कएल गेल सूचनामे उल्लेख अइछ ।

जिला प्रशासन कार्यालय निषेधाज्ञा हटौलाक बाद नागरिककेँ शान्ति, सुरक्षा आ सामाजिक सद्भाव कायम राखैत दैनिक गतिविधि सञ्चालन करबाक लेल आग्रह केलक अइछ । प्रशासनके निर्णयसहित जनकपुरधाम क्षेत्रमे यातायात, व्यापार तथा अन्य सार्वजनिक गतिविधि सहज रूपमे सञ्चालन होबाक विश्वास अइछ । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...