आज्ञा खबर
काठमाण्डू
नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम पदार्थके मूल्यवृद्धि केलक अइछ । रैबदिन राइत १२ः०१ मिनेटसँ लागू हुअजका पेट्रोल, डिजेल, मट्टितेल आ हवाई इन्धनमे मूल्यवृद्धि कएल गेल निगम जनौलक अइछ । निगम पेट्रोल प्रतिलिटर तीन टका, डिजेल आ मट्टितेल पाँच टकासँ वृद्धि केलक अइछ । तहिना, हवाई इन्धन आन्तरिकदिस २० टका आ अन्तरराष्ट्रियदिस प्रतिकिलोलिटर अमेरिकी डलर एक सओ ३१ सँ वृद्धि भेल अइछ । इण्डियन आयल कर्पोरेसन ३१ जुलाई, २०२६ मे पठौने नयाँ खरिद मूल्यअनुसार पेट्रोलमे २० टका १९ पैसा, डिजेलमे ३९ टका ६७ पैसा आ हवाई इन्धनमे प्रतिलिटर १९ टका छ पैसा बइढ़ क आएल अइछ ।
नयाँ मूल्यसूचीअनुसार पेट्रोल आ डिजेलके दाम काठमाण्डू, पोखरा आ दिपायलमे प्रतिलिटर २ सओ टका पहुँचल अइछ । सुर्खेत आ दाङमे एक सओ ९९ टका कायम भेल अइछ । तहिना, चारआली, विराटनगर, जकपुर, अमलेखगञ्ज, भलवारी, धनगढी आ वीरगञ्जमे एक सओ ९७ टका ५० पैसा पहुँचल अइछ ।
खाना बनाबैबला एलपी ग्यासके दाम यथावत् रहल निगम जनौलक अइछ । अइसँ पहिने पेट्रोल प्रतिलिटर एक सओ ९७ टका आ डिजेल/मट्टितेल प्रतिलिटर एक सओ ९५ टका छल । पेट्रोलियम पदार्थके खुद्रा बिक्री मूल्य समायोजन कएलाक बादो निगमकेँ पाक्षिक रूपमे एक अरब ४९ करोड़ टका बराबरके घाटा होबाक जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ । (रासस)
