हुलाकी राजमार्ग निर्माण अन्तिम चरणमे, २४ टा पुल सम्पन्न

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशक विकासक मेरुदण्ड मानल गेल हुलाकी राजमार्गअन्तर्गत सिरहासँ सर्लाहीधैरके निर्माण अन्तिम चरणमे पहुँचल अइछ । अइ खण्डमे २४ टा पुल निर्माण भ चुकल अइछ, तँ ९० प्रतिशतसँ बेसी सड़क पक्की कएल गेल अइछ । अइ ठामस्थित हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय अनुसार सिरहासँ सर्लाहीधैर ४ सओ ६ दशमलव ४३ किलोमिटरमध्ये ३ सओ ४७ दशमलव ६३ किलोमिटरमे पक्की कएल गेल अइछ ।

धनुषामे तीन, सर्लाहीमे सात, महोत्तरीमे तीन आ सिरहामे तीनसहित १९ टा पुल निर्माणक अन्तिम चरणमे पहुँचल अइछ । पक्क करबाक लेल बाँकी ५८ दशमलव ८ किलोमिटर सड़कमध्ये १२ दशमलव ८ किलोमिटर सड़कके ठेक्का प्रक्रिया प्रारम्भ भेल अइछ ।

चालु आर्थिक वर्षमे परियोजना पूरा करबाक लक्ष्यसहित काज भ रहल कार्यालय प्रमुख कृष्ण कुमार महतो राससकेँ बतौलैन । सिरहामे २९ दशमलव ९८, महोत्तरीमे ९१ दशमलव ५६, सर्लाहीमे एक सओ ५१ दशमलव ५१ किलोमिटर निर्माण भेल अइछ । निर्माण सम्पन्न भेलाक बाद पूर्व–पश्चिम हुलाकी राजमार्ग एक हजार ७ सओ ९२ किलोमिटर लम्बा हएत ।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...